राष्ट्रीय खेल पुरस्कार 2025क घोषणा: तेजस्विन शंकर आ दिव्या देशमुख सहित 17 खेलाड़ी कें अर्जुन पुरस्कार, 3 प्रशिक्षक कें द्रोणाचार्य सम्मान
युवा मामिला आ खेल मंत्रालय मंगल दिन राष्ट्रीय खेल पुरस्कार 2025 केर घोषणा कएलक। अलग-अलग क्षेत्रक 17 खेलाड़ी कें अर्जुन पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि। ओतहि, 3 प्रशिक्षक कें द्रोणाचार्य पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि।
भारतक उच्चतम न्यायालयक पूर्व न्यायमूर्ति (सेवानिवृत्त) अरुण कुमार मिश्रा केर अध्यक्षता बला चयन समिति केर सिफारिशक आधार पर सरकार अलग-अलग श्रेणी मे खेलाड़ी, कोच आ संस्था कें पुरस्कार देबाक निर्णय लेने अछि।
अर्जुन पुरस्कार 2025 लेल तेजस्विन शंकर (एथलेटिक्स), मुहम्मद अजमल वी (एथलेटिक्स), प्रियंका गोस्वामी (एथलेटिक्स), ट्रीसा जॉली (बैडमिंटन), पुलेला गायत्री गोपीचंद (बैडमिंटन), नरेंद्र (बॉक्सिंग), विदित संतोष गुजराती (शतरंज), दिव्या जितेंद्र देशमुख (शतरंज), धनुष श्रीकांत (डेफ शूटिंग), लालरेमसियामी (हॉकी), राजकुमार पाल (हॉकी), सुरजीत (कबड्डी), पूजा (कबड्डी), रुद्रांश खंडेलवाल (पैरा-शूटिंग), एकता भ्यान (पैरा एथलेटिक्स), अरविंद सिंह (रोइंग) आ अखिल श्योराण (शूटिंग) केर नाम चुनल गेल अछि।
‘अर्जुन पुरस्कार’ खेल क्षेत्र मे पछिला चारि वर्षक दौरान नीक प्रदर्शन आ नेतृत्व, खेल भावना आ अनुशासनक भावना देखौनिहार एथलीट कें देल जाइत अछि।
अर्जुन पुरस्कार (लाइफटाइम) 2025 आई अरुमनायगम (फुटबॉल) कें देल गेल अछि। ई पुरस्कार एहन खेलाड़ी कें सम्मान आ प्रेरणा देबाक लेल देल जाइत अछि, जे खेल क्षेत्र मे योगदान देने छथि आ खेल सं संन्यासक बाद सेहो कोनो ने कोनो रूप मे जुड़ल रहि ओकरा बढ़ावा देबाक काज करैत छथि।
द्रोणाचार्य पुरस्कार 2025 परवीर सिंह (एथलेटिक्स), छोटे लाल यादव (बॉक्सिंग) आ नेहा नंदकुमार चव्हाण (शूटिंग) कें देल गेल अछि। द्रोणाचार्य पुरस्कार एहन प्रशिक्षक (कोच) कें देल जाइत अछि, जे लगातार उत्कृष्ट आ क्षमता सं भरल काज करैत छथि आ खेलाड़ी कें अंतरराष्ट्रीय आयोजन मे नीक प्रदर्शन करबा मे सहायता करैत छथि।
द्रोणाचार्य पुरस्कार (लाइफटाइम) 2025 लेल धर्मेंद्र सिंह यादव (बॉक्सिंग) आ वीरेंद्र कुमार (कुश्ती) केर नाम निश्चित कएल गेल अछि।
राष्ट्रीय खेल प्रोत्साहन पुरस्कार 2025 आर्मी पैरालंपिक नोड, पुणे कें देल जाएत। ई सम्मान ओहि कॉरपोरेट संस्था (सार्वजनिक, निजी) आ गैर-सरकारी संस्था (एनजीओ) कें देल जाइत अछि, जे खेल कें बढ़ावा देबा आ विकासक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौने अछि।
राष्ट्रीय खेल पुरस्कार प्रत्येक वर्ष खेल मे खेलाड़ी आ प्रशिक्षकक रूप मे नीक प्रदर्शन कएनिहार कें देल जाइत अछि।