Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

अज्ञात अपराधी सभ किराना व्यवसायी कें मारलक गोली

Avatar
By Samadiya Mithila
August 9, 2026 2 Min Read
0

 

अनुमंडलीय अस्पताल मे प्राथमिक उपचारक बाद कएल गेल रेफर

पेट मे लागल दू गोली,  हालति चिंताजनक

 

मधुबनी, समदिया

जयनगर अनुमंडल क्षेत्रक कमला रोडक लग पूर्व सं घात लगौने बाइक सवार अपराधी सभ किराना व्यवसायी कें गोली मारि घायल कए देलक आ रुपैया सं भरल थैली लए कए फरार भए गेल। घायल व्यवसायीक पहचान जयनगर निवासी टिंकू महतो (लगभग 42 वर्ष) केर रूप मे भेल अछि। घायल व्यवसायी कें स्थानीय लोकक सहयोग सं जयनगर अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय प्राथमिक उपचारक बाद गंभीर स्थिति कें देखैत मधुबनी रेफर कएल गेल। सदर अस्पताल सं सेहो नीक इलाज लेल मधुबनी क्रिब्स हॉस्पिटल रेफर कएल गेल, जतय सं चिकित्सक सभ दरभंगा पारस अस्पताल रेफर करबाक सलाह देलनि। कहल जा रहल अछि जे व्यवसायीक पेट मे दू गोली लागल अछि आ हुनकर स्थिति चिंताजनक अछि। घटनाक सूचना भेटिते जयनगर एसडीपीओ सदानंद कुमार, इंस्पेक्टर सह थानाध्यक्ष रमन कुमार सहित पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचल। पुलिस घटनास्थल सं एकटा जिंदा गोली आ खाली खोखा बरामद कएलक। घटना राति करीब 10 बजकर 22 मिनट पर भेल बताओल जा रहल अछि। पुलिस घटनास्थलक आसपास लगाओल गेल सीसीटीवी कैमरा केर फुटेज खंगालि रहल अछि। पुलिसक अनुसार सीसीटीवी फुटेज मे अपराधीसभक चेहरा आ घटना कें अंजाम दैत दृश्य कैद भेल अछि। फुटेजक आधार पर अपराधीक पहचान आ गिरफ्तारी लेल कारबाइ तेज कएल गेल अछि। जयनगर एसडीपीओ सदानंद कुमार घटना संबंधी सूचना वरिष्ठ पुलिस पदाधिकारी कें देलनि। सूचना पाबि मधुबनी सं एसएसपी योगेंद्र कुमार आ ग्रामीण एसपी शिवम धाकड़ जयनगर पहुंचि घटनास्थलक बारीकी सं निरीक्षण कएलनि। एसएसपी योगेंद्र कुमार एकटा विशेष टीम गठित कए अपराधी सभ कें शीघ्र सं शीघ्र गिरफ्तार करबाक निर्देश देलनि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

criminalgrocershot
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

रोसड़ा शहर कें जाम सं भेटत मुक्ति, 8718.95 लाखक लागति सं बाइपास सड़कक भेल शिलान्यास

Next

पीएम मोदी कहलनि- ‘भारत छोड़ो आंदोलन’क नायकक साहस सदिखन भारतीयक लेल प्रेरणाक स्रोत बनल रहत

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी
  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी
  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech