Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

रोसड़ा शहर कें जाम सं भेटत मुक्ति, 8718.95 लाखक लागति सं बाइपास सड़कक भेल शिलान्यास

Avatar
By Samadiya Mithila
August 9, 2026 3 Min Read
0

 

  • सांसद शांभवी चौधरीक संग पथ निर्माण मंत्री कुमार शैलेंद्र कएलनि शिलान्यास

 

समस्तीपुर/रोसड़ा, समदिया

रोसड़ा शहर मे लगातार बनल रहनिहार जामक समस्या सं आब लोक कें शीघ्र राहति भेटबाक उम्मीद अछि। बाजार क्षेत्र मे वाहनक बढ़ैत दबाव कें कम करबाक उद्देश्य सं रोसड़ा बाइपास सड़क निर्माण परियोजनाक रविदिन विधिवत शिलान्यास कएल गेल। कलवार बालापर चौकक लग आयोजित कार्यक्रम मे बिहार सरकारक पथ निर्माण विभागक मंत्री इंजीनियर कुमार शैलेंद्र बाइपास सड़क निर्माण कार्यक शिलान्यास कएलनि। एहि परियोजनाक कुल लागत 8718.95 लाख टका बताओल गेल अछि आ बाइपास सड़कक कुल लंबाइ करीब 14 किलोमीटर रहत।

कार्यक्रम मे विशिष्ट अतिथिक रूप मे समस्तीपुरक सांसद शांभवी चौधरी आ केंद्रीय जल शक्ति राज्यमंत्री डॉ. राजभूषण चौधरी उपस्थित छलाह। कार्यक्रमक अध्यक्षता स्थानीय विधायक वीरेंद्र कुमार कएलनि। एहि अवसर पर मंत्री अशोक चौधरी, वारिसनगरक पूर्व विधायक अशोक कुमार मुन्ना, विभूतिपुर विधायक अजय कुमार, वारिसनगर विधायक मांजरिक मृणाल, बिहार विधान परिषद सदस्य सर्वेश कुमार आ डॉ. तरुण कुमार सहित पैघ संख्या मे जनप्रतिनिधि आ स्थानीय लोक उपस्थित छलाह।

बाइपास सड़क निर्माणक लेल मध्य विद्यालय कलवाड़ा परिसर मे कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। अतिथिक मिथिलाक परंपरा अनुसार स्वागत कएल गेल। तकर बाद दीप प्रज्वलित कए कार्यक्रमक शुभारंभ भेल। परियोजनाक अंतर्गत रोसड़ा बाइपासक उत्तरी हिस्सा मे बालापर चौक सं ढरहा, लालपुर, मुहम्मदपुर आ पबरा होइत सड़क बनाओल जाएत। ओतहि दक्षिणी हिस्सा मे रहुआ सं दौलतपुर धरि बाइपास सड़कक निर्माण कएल जाएत।

बाइपास सड़क बनि गेलाक बाद रोसड़ा बाजार सं होइत गुजरनिहार भारी आ बाहरी वाहन कें वैकल्पिक मार्ग भेटत। एहि सं बाजार मे वाहनक दबाव कम होयत आ जामक समस्या सं लोक कें बहुत हद धरि राहति भेटबाक उम्मीद अछि। व्यापारी, स्थानीय व्यवसायी आ बाजार आबय-जाय बला लोक कें सेहो एकर सीधा लाभ भेटत। शहरक यातायात व्यवस्था सुगम होयबाक संग आसपासक क्षेत्रक विकास कें सेहो गति भेटबाक संभावना अछि।

सांसद शांभवी चौधरी कहलनि जे चुनावक समय क्षेत्रक लोक सं जे वादा कएल गेल छल, तकरा पूरा करबाक दिशा मे लगातार काज कएल जा रहल अछि। समस्तीपुरक विकास लेल ओ आगू सेहो पूरा प्रतिबद्धताक संग काज करैत रहताह। रोसड़ा मे बाइपास सड़कक निर्माण क्षेत्र लेल महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। स्थानीय विधायक वीरेंद्र कुमार कहलनि जे रोसड़ा-बहेड़ी मुख्य सड़कक चौड़ीकरण आ रोसड़ा बाइपासक निर्माण भेला सं क्षेत्रक लोक कें आवागमन मे बहुत सुविधा होयत। ओ कहलनि जे रोसड़ा मे औद्योगिक क्षेत्र विकसित करबाक लेल सेहो लगातार प्रयास कएल जा रहल अछि। सड़क आ आधारभूत संरचनाक विकास सं व्यापारक विस्तारक संग रोजगारक नव अवसर पैदा होयत। विभूतिपुर विधायक अजय कुमार सरकारक विकास योजनाक क्रियान्वयन कें लए सवाल उठौलनि। ओ कहलनि जे क्षेत्रक कतेको लोक कें कतेको मास सं पेंशन नहि भेटल अछि। कतेको स्थान पर सड़क निर्माणक काज सेहो रुकल अछि। हुनकर कहब छल जे जखन सरकारक दिस सं पर्याप्त राशि उपलब्ध कराओल जएबाक बात कहल जाइत अछि, तं योजनाक क्रियान्वयन मे आबि रहल समस्या कें दूर करबाक आवश्यकता अछि। पथ निर्माण मंत्री इंजीनियर कुमार शैलेंद्र कहलनि जे बाइपास सड़कक निर्माण गुणवत्तापूर्ण ढंग सं कराओल जाएत। निर्माण कार्य मे कोनो प्रकारक अनियमितता बर्दाश्त नहि कएल जाएत। ओ अधिकारी लोकनि कें चेतावनी दैत कहलनि जे सड़क निर्माण मे गड़बड़ी भेटल तं सभ सं पहिने विभागक संबंधित पदाधिकारी पर कारबाइ कएल जाएत। मंत्री कहलनि जे ओ स्वयं सिविल इंजीनियर छथि आ सड़क निर्माणक तकनीकी बारीकी सं नीक जकां परिचित छथि। एहि कारण निर्माणक गुणवत्ताक लगातार निगरानी कएल जाएत। सरकारक उद्देश्य मात्र सड़क बनबेनाइ नहि, बल्कि दीर्घकाल धरि टिकाउ आ गुणवत्तापूर्ण सड़क उपलब्ध कराएब अछि। बाइपास सड़कक निर्माण पूरा भेला सं रोसड़ा शहरक यातायात व्यवस्था मे महत्वपूर्ण सुधार होयबाक उम्मीद अछि। बहुत दिन सं जामक समस्या सं परेशान शहरवासी लेल ई परियोजना राहतदायक साबित भए सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

foundation stone laid for bypass road costing 8718.95 lakhRelief from congestion in Rosra city
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जिला मे नव राशन कार्ड लेल 5,920 आवेदन प्राप्त, 4,919 कार्ड बनेबाक लक्ष्य

Next

अज्ञात अपराधी सभ किराना व्यवसायी कें मारलक गोली

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech