Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

जिला मे नव राशन कार्ड लेल 5,920 आवेदन प्राप्त, 4,919 कार्ड बनेबाक लक्ष्य

Avatar
By Samadiya Mithila
August 9, 2026 2 Min Read
0

 

  • पात्र लाभुकक आवेदनक जांच जारी, योग्य पाओल गेल तं जरूर बनत राशन कार्ड

 

सहरसा, समदिया

पंचायत विकास दिवसक अवसर पर नव राशन कार्ड बनेबाक प्रक्रिया अंतर्गत जिलाक सभ 10 प्रखंड सं करीब 5,920 आवेदन प्राप्त भेल अछि। विभागक दिस सं जिला मे 4,919 नव राशन कार्ड बनेबाक लक्ष्य निर्धारित कएल गेल छल। प्राप्त आवेदनक जांच भारत सरकारक स्मार्ट ई-पीडीएस पोर्टल पर कएल जा रहल अछि। जांच मे पात्र पाओल गेल सभ लाभुकक नियमानुसार राशन कार्ड बनाओल जायत। प्रखंडवार प्राप्त आवेदन मे कहरा सं 894, नवहट्टा सं 421, सौरबाजार सं 531, सोनवर्षा सं 595, पतरघट सं 537, महिषी सं 604, सत्तरकटैया सं 507, बनमा इटहरी सं 518, सलखुआ सं 521 आ सिमरीबख्तियारपुर सं 792 आवेदन शामिल अछि।

आवेदनक बाद लाभुक कें कार्यालयक चक्कर लगाबयक आवश्यकता नहि

विभागीय निर्देश अनुसार नव राशन कार्ड बनेबाक अथवा वर्तमान राशन कार्ड मे संशोधन लेल आरटीपीएस केंद्रक संग स्मार्ट ई-पीडीएस पोर्टलक माध्यम सं सेहो आवेदन कएल जा सकैत अछि। प्राप्त आवेदनक भौतिक सत्यापन निर्धारित प्रक्रियाक अंतर्गत कराओल जा रहल अछि। तकर बाद नियमानुसार अग्रसारण आ आखरी निर्णयक कारबाइ कएल जायत। अधिकारीसभक अनुसार पोर्टल पर एकसंग पैघ संख्या मे आवेदन प्राप्त भेलाक कारण फिलहाल आवेदनक जांच प्रक्रिया अपेक्षाकृत धीम अछि। एहि कारण नव राशन कार्ड लेल आवेदन कएनिहार लाभुक सभ कें घबरायबाक आवश्यकता नहि अछि। पात्रताक जांच पूरा भेलाक बाद योग्य लाभुकसभक राशन कार्ड अवश्य बनाओल जायत। विभाग स्पष्ट कएलक अछि जे लाभुक सभ कें अनावश्यक रूप सं कार्यालयक चक्कर लगाबयक जरूरत नहि अछि। राशन कार्ड निर्गमन सं पहिने आवश्यक सभ प्रक्रिया पूरा कएल जा रहल अछि। राशन कार्ड जारी करबाक संबंध मे अलग सं निर्देश प्राप्त भेलाक बाद आगांक कारबाइ कएल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पृथक मिथिला राज्यक गठन लेल जंतर मंतर पर देल गेल धरना

Next

रोसड़ा शहर कें जाम सं भेटत मुक्ति, 8718.95 लाखक लागति सं बाइपास सड़कक भेल शिलान्यास

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech