प्रधानमंत्री आ मुख्यमंत्री आवास योजना मे केहन परिवार कें भेटैत अछि लाभ
सहरसा, समदिया
गरीब आ आवासविहीन ग्रामीण परिवार कें पक्का मकान उपलब्ध कराबय लेल केंद्र आ बिहार सरकारक दिस सं अलग-अलग आवास योजना चलाओल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री आवास योजना-ग्रामीणक संग बिहार मे मुख्यमंत्री ग्रामीण आवास योजना सेहो एहन परिवार सभ लेल महत्वपूर्ण अछि, जे कोनो कारण सं प्रधानमंत्री आवास योजनाक पात्रता सूची मे शामिल नहि भए पबैत छथि।
प्रधानमंत्री आवास योजना-ग्रामीण मे मुख्य रूप सं आवास सं वंचित आ कच्चा मकान मे रहनिहार ग्रामीण परिवारक पहचान कएल जाइत अछि। वर्तमान चरण मे पक्का छत अथवा पक्का दीवार आ दू सं बेसी कोठलीवला मकान मे रहनिहार परिवार कें पात्रता सं बाहर राखल जाइत अछि। एकर अतिरिक्त परिवारक लग मोटरचालित तीन अथवा चारि पहियावला वाहन, कृषि काज लेल यंत्रीकृत तीन अथवा चारि पहियावला उपकरण अथवा 50 हजार टका अथवा ताहि सं बेसी सीमावला किसान क्रेडिट कार्ड होयबो पात्रता मे बाधक अछि। परिवारक कोनो सदस्य सरकारी कर्मचारी हो, सरकारी रूप सं पंजीकृत गैर-कृषि उद्यम हो अथवा कोनो सदस्यक मासिक आमदनी 15 हजार टका सं बेसी हो, तं सेहो परिवार पात्र नहि मानल जाइत अछि। एहि तरहें आयकर अथवा प्रोफेशनल टैक्स देनिहार परिवार, 2.5 एकड़ अथवा ताहि सं बेसी सिंचित भूमि अथवा 5 एकड़ अथवा ताहि सं बेसी असिंचित भूमि रखनिहार परिवार कें सेहो योजनाक लाभक पात्र नहि मानल जाइत अछि।
मुख्यमंत्री ग्रामीण आवास योजनाक अंतर्गत एहन गरीब आ आवासविहीन परिवार कें सहायता देबाक प्रावधान अछि, जे प्रधानमंत्री आवास योजनाक पात्रता सूची सं बाहर रहि गेल छथि। एहि योजना मे विशेष रूप सं अनुसूचित जाति, अनुसूचित जनजाति आ अति पिछड़ा वर्गक ओ परिवार शामिल छथि, जिनकर पूर्व मे समूह मे बनाओल सरकारी आवास जीर्ण-शीर्ण भए गेल अछि आ पहिने लाभ भेटि गेल रहबाक कारण ओ प्रधानमंत्री आवास योजना-ग्रामीण लेल पात्र नहि छथि।
एकरा अतिरिक्त प्रधानमंत्री आवास योजना-ग्रामीणक प्रतीक्षा सूची सं बाहर रहि गेल पात्र आवासविहीन परिवार कें सेहो राज्य योजनाक अंतर्गत सहायता देबाक प्रावधान अछि। हालांकि, जिला प्रशासन द्वारा जारी आवास सूचीक पुनः धरातल पर वास्तविक जांच करब आवश्यक अछि, जाहि सं वास्तविक गरीब आ आवासविहीन परिवार कें योजनाक लाभ सुनिश्चित भए सकय आ अपात्र लोकक नाम सूची मे नहि रहि जाय।