Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

साहित्यकार धीरेंद्रक चुनल रचनासभक एकत्र संचयन प्रकाशित

Avatar
By Samadiya Mithila
October 1, 2026 2 Min Read
0

 

 

मधेपुरा, समदिया

बीएन मंडल विश्वविद्यालयक पीजी मैथिली विभाग मे साहित्य अकादमी द्वारा प्रकाशित आ शिवशंकर निवास एवं अतुलेश्वर झा द्वारा संपादित पुस्तक धीरेंद्र : रचना संचयनक लोकार्पण कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता विश्वविद्यालयक डीएसडब्ल्यू सह भौतिकी विभागाध्यक्ष प्रो. उमाशंकर चौधरी केलनि। मुख्य वक्ताक रूप मे मैथिली विभागाध्यक्ष डॉ. नरेंद्र नाथ झा अपन विचार विस्तारपूर्वक रखलनि। अतिथिसभक स्वागत मैथिली विभागक डॉ. कृष्ण मोहन ठाकुर केलनि, जखन कि धन्यवाद ज्ञापन डॉ. प्रमोद कुमार सिंह आ कार्यक्रमक संचालन डॉ. सोनू कुमार झा केलनि। पुस्तक लोकार्पणक अवसर पर डीएसडब्ल्यू प्रो. उमाशंकर चौधरी कहलनि जे पुस्तक लेखन आ संचयन आगांक पीढ़ीक लेल महत्वपूर्ण होइत अछि। डॉ. अतुलेश्वर झा अपन पिताक मूल रचना सभ कें पुस्तकक रूप मे प्रकाशित करबैत आम पाठक लेल महत्वपूर्ण पठनीय सामग्री प्रस्तुत कए पितृपक्षक अवसर पर हुनका सच्चा श्रद्धांजलि देलनि अछि। ओ कहलनि जे एहि पुस्तक मे मिथिलाक आंचलिक परिस्थिति, औद्योगिक संस्कृति, आधुनिक शिक्षाक आकर्षण, बढ़ैत सामंती मानसिकता आ अपन-परायक दूरी सं संवेदना मे होइत चोटक चित्रण भेटैत अछि, जे नव पीढ़ी लेल महत्वपूर्ण होयत। डॉ. अतुलेश्वर झा कहलनि जे धीरेंद्रक रचना-संसार अत्यंत व्यापक छल, तें हुनक समस्त रचना कें एक पोथी मे समेटब कठिन छल। एहि संचयन मे हुनक मूल स्वर कें सामने अनैत चुनल रचना सभ कें स्थान देल गेल अछि। बहुविधा रचनाकार डॉ. धीरेंद्र कथा, कविता, गीत, महाकाव्य, नाटक, बाल साहित्य आ उपन्यास सहित विभिन्न विधा मे अपन विशिष्ट छाप छोड़लनि। संचयन मे हुनक लोकप्रिय कविता-कथा संग तीन प्रसिद्ध उपन्यास भोरुकवा, कादो आ कोइला आ ठुमुकि बहु कमला सेहो शामिल अछि। भोरुकवा मे मिथिलाक खेती-बाड़ी आ मजदूर पलायनक चित्रण करैत शिक्षाक प्रसार सं शोषण समाप्त होयबाक विचार प्रस्तुत कएल गेल अछि। कादो आ कोइला मे शहर हो अथवा गांव, शोषणक स्वरूप समान होयबाक बात कहल गेल अछि, जखन कि ठुमुकि बहु कमला शोषितक विजयक आख्यान अछि। कार्यक्रम मे डॉ. शंभू राय, डॉ. सचिंद्र नाथ, डॉ. संजय कुमार परमार, डॉ. रौशन कुमार यादव, डॉ. गौतम कुमार, प्रो. अरुण कुमार झा, प्रो. सुनील कुमार, प्रो. मनोज कुमार, ललिता कुमारी, पुष्पा कुमारी, सुगंधा कुमारी, शशांक राज, मिंटू कुमार सहित शोधार्थी आ छात्र-छात्रा उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

23 खेल विधा मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार खेलाड़ी प्रमंडलीय प्रतियोगिता लेल चयनित

Next

डॉ. भास्कर ज्योति कें भेटलनि मैसाम युवा सम्मान, डॉ. रामानंद झा रमणक भेल व्याख्यान

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech