डॉ. भास्कर ज्योति कें भेटलनि मैसाम युवा सम्मान, डॉ. रामानंद झा रमणक भेल व्याख्यान
नई दिल्ली/सहरसा, समदिया
मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन आ प्रसार लेल समर्पित संस्था मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम), दिल्ली द्वारा रविदिन कॉन्स्टिट्यूशन क्लब ऑफ इंडिया, नई दिल्ली मे 12म विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान आ मैसाम युवा सम्मान समारोह–2026क भव्य आयोजन कएल गेल। समारोहक मुख्य आकर्षण सुप्रसिद्ध समालोचक डॉ. रामानंद झा रमणक मैथिली नाट्य साहित्यक विकास विषय पर एकल व्याख्यान रहल। डॉ. रमण मैथिली नाट्य साहित्यक ऐतिहासिक विकास, प्रमुख प्रवृत्ति, रचनाकार आ ओकर सामाजिक-सांस्कृतिक सरोकारपर गंभीर आ सारगर्भित विचार प्रस्तुत कएलनि। एहि अवसरपर युवा साहित्यकार डॉ. भास्कर ज्योति कें हुनक चर्चित यात्रा-वृत्तांत अथक अविराम लेल मैसाम युवा सम्मान–2026 सं सम्मानित कएल गेल। निर्णायक मंडलक सदस्य कल्पना झा सम्मानित कृतिक साहित्यिक विशेषतापर प्रकाश देलनि। समारोह मे छओ गोट मैथिली पोथीक लोकार्पणक संग मैसामक अर्द्धवार्षिक साहित्यिक पत्रिका अपूर्वा केर सेहो विमोचन भेल। पत्रिकाक संपादन संजीव सिन्हा आ उज्ज्वल कुमार झा द्वारा कएल गेल अछि। कार्यक्रमक अध्यक्षता साहित्य अकादेमीक मैथिली भाषा विभागक संयोजक प्रो. उदय नारायण सिंह नचिकेता केलनि। मैसाम अध्यक्ष हेमंत झा स्वागत भाषण देलनि, जखन कि राज किशोर मिश्र सेहो अपन विचार रखलनि। कार्यक्रमक संचालन संजीव सिन्हा आ धन्यवाद ज्ञापन मती मंजूषा झा केलनि। समारोह मे मैथिली साहित्यकार, लेखक, विद्वान, पाठक आ मैथिलीप्रेमी लोकनिक उल्लेखनीय सहभागिता रहल। एहि अवसरपर मैसाम कार्यकारिणी 2026–28 केर नव पदाधिकारी आ सदस्यगणक परिचय सेहो कराओल गेल। कार्यक्रम मैथिली साहित्यक समृद्ध परंपरा आ नव सृजनशीलताक बीच एकटा सार्थक सेतुक रूप मे संपन्न भेल। विद्यापति परंपराक स्मरणक संग युवा साहित्यिक प्रतिभाक प्रोत्साहन, गंभीर साहित्यिक विमर्श आ नव सृजन कें बढ़ावा देबाक मैसामक प्रतिबद्धता आयोजन मे स्पष्ट रूपें देखाइत रहल।