एसएच-88 पर यातायात नियमक पालन लेल लोक कें कएल गेल जागरूक
बेनीपुर, समदिया
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जन्मदिवसक अवसरपर आयोजित सेवा-संकल्प-समर्पण महा-अभियानक अंतर्गत दरभंगा पूर्वी जिला भाजपाक दिस सं अंटौर मे एसएच-88 पर सड़क सुरक्षा जागरूकता अभियान चलाओल गेल। एहि दौरान राहगीर आ वाहन चालक सभ कें यातायात नियमक पालन लेल जागरूक करबाक संग जरूरतमंद वाहन चालकसभक बीच हेलमेट वितरण कएल गेल।
अभियानक दौरान वाहन चालक सभ सं हेलमेट पहिरि वाहन चलाबय, निर्धारित गति सीमा केर पालन करय आ सड़कपर विशेष सावधानी बरतबाक अपील कएल गेल। लोक सभ कें सड़क सुरक्षा आ जीवन रक्षाक संदेश दैत यातायात नियमक प्रति जागरूक कएल गेल। मौका पर दरभंगा पूर्वी जिला भाजपा अध्यक्ष विनय कुमार पासवान कहलनि जे सड़क सुरक्षा आइ समयक महत्वपूर्ण आवश्यकता अछि। दुर्घटनापर रोक लगयबाक लेल नियमक पालनक संग आम लोक मे जागरूकता पैदा करब सेहो जरूरी अछि। जिला महामंत्री संजय कुमार सिंह उर्फ पप्पू सिंह कहलनि जे सड़क सुरक्षा मात्र प्रशासनक जिम्मेदारी नहि, बल्कि प्रत्येक नागरिकक सामूहिक जिम्मेदारी अछि। हेलमेट पहिरब मात्र नियमक पालन नहि, बल्कि जीवनक सुरक्षा लेल संकल्प अछि। ओ वाहन चालक सभ सं यातायात नियमक पालन करबाक आ अपन संग दोसर लोकक सुरक्षाक सेहो ध्यान रखबाक अपील केलनि। कार्यक्रम मे मंडल अध्यक्ष लाल मुखिया, चंदन ठाकुर, रामभजन पासवान, युवा मोर्चा जिला महामंत्री प्रकाश साहनी, राहुल झा, मनोज झा, विकास प्रसाद, संजय पासवान, निखत प्रवीण सहित दर्जनों कार्यकर्ता आ स्थानीय लोक उपस्थित छलाह।