कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
सिमरा गाम मे एनएच-27 पर आनंद हॉस्पिटलक लग भेल हादसा
झंझारपुर, समदिया
गरीबीक कठिनाइ कें पछाड़ि भविष्य बनयबाक सपना देखनिहारि 17 वर्षीय छात्रा वैष्णवी कुमारीक सड़क दुर्घटना मे दर्दनाक मृत्यु भए गेल। अज्ञात वाहनक ठोकर सं छात्राक घटनास्थल परे मृत्यु भए गेल। घटनाक बाद पूरा क्षेत्र मे शोकक माहौल अछि। घटना शनिचर भोर करीब 6 बजे झंझारपुर थाना क्षेत्रक सिमरा गाम स्थित आनंद हॉस्पिटलक लग एनएच-27 पर फुलपरास सं दरभंगाक दिस जाइत लेन मे भेल। थानाध्यक्ष सुनील कुमार सिंह कहलनि जे मृतकाक पहचान झंझारपुर थाना क्षेत्रक चनौरागंज निवासी बैद्यनाथ प्रसादक 17 वर्षीय पुत्री वैष्णवी कुमारीक रूप मे भेल अछि। ओ अपन घर सं साइकिल पर झंझारपुर कोचिंग पढ़ए जा रहल छल। एहि बीच पाछां सं आयल अज्ञात वाहन जोरदार ठोकर मारि देलक। ठोकर एतेक जबरदस्त छल जे छात्राक घटनास्थल परे मृत्यु भए गेल। सूचना भेटिते अपर थानाध्यक्ष बिहारी आलम पुलिस बलक संग घटनास्थल पर पहुंचलनि। पुलिस शव कें कब्जा मे लए कए आवश्यक प्रक्रिया पूरा करबाक बाद पोस्टमार्टम लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठा देलक। परिजनक अनुसार, चारि बहिन आ एक भाइ मे वैष्णवी तेसर संतान छल। ओ पढ़ाइ मे बहुत तेज छल। घर मे साधनक अभावक बावजूद ओ प्रतिदिन करीब 7 किलोमीटर साइकिल चलाकए झंझारपुरक एकटा कोचिंग केंद्र मे पढ़ए जाइत छल आ पढ़ाइ पूरा कए फेर 7 किलोमीटर साइकिल चलाकए घर घुरैत छल। गरीबी ओकर पढ़ाइक बाट मे कखनो बाधा नहि बनल। बेटीक पढ़ाइ आ भविष्य कें लए कए पिता बैद्यनाथ प्रसाद कें पैघ आशा छलनि। हुनकर सपना छलनि जे बेटी पढ़ि-लिखि परिवारक स्थिति बदलत, मुदा अज्ञात वाहनक एकटा ठोकर सं हुनकर सभ आशा चकनाचूर भए गेल। घटना सं गाम मे शोकक माहौल अछि। लोक सभ एनएच-27 पर वाहनक तेज गति आ लापरवाही पर चिंता व्यक्त कएलनि। पुलिस अज्ञात वाहनक पहचान करबाक लेल छानबीन मे जुटल अछि।
==================================================================
2.