गांधी जयंती पर नगर परिषद देलक स्वच्छताक संदेश, कचरा सं मुक्ति सभक सहभागिता
झंझारपुर, समदिया
महात्मा गांधीजीक जयंतीक अवसर पर 2 अक्टूबर कें नगर परिषद झंझारपुरक दिस सं स्वच्छता ही सेवा 2026 अभियानक अंतर्गत जागरूकता कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। एहि दौरान नगर परिषद कार्यालय परिसर मे सेल्फी प्वाइंट सेहो बनाओल गेल छल, जतय लोक सभ स्वच्छताक संकल्प लैत सेल्फी लेलनि। सेल्फी प्वाइंट कार्यक्रम मे लोकक आकर्षणक केंद्र बनल रहल। कार्यक्रम मे नगर परिषद झंझारपुरक मुख्य पार्षद बबीता शर्मा, कार्यपालक पदाधिकारी मनोज कुमार, स्वच्छता पदाधिकारी दीपक कुमार, सिटी मैनेजर संजय कुमार सहित नगर परिषदक कतेको अधिकारी, कर्मी आ सफाइ मित्र सहभागी भेलाह। मुख्य पार्षद बबीता शर्माक नेतृत्व मे झाड़ू लए कए सफाइ अभियान नगर परिषद कार्यालय सं शुरू भए झंझारपुर प्रखंड कार्यालय होइत लंगड़ा चौक धरि चलल। एहि दौरान आम लोक कें स्वच्छता लेल जागरूक कएल गेल आ अपन आसपासक स्थान कें साफ-सुथरा रखबाक लेल प्रेरित कएल गेल। लंगड़ा चौक पर मुख्य पार्षद बबीता शर्मा आम लोक कें संबोधित करैत कहलनि जे स्वच्छ भारत आ विकसित भारतक सपना तखने पूरा भए सकैत अछि, जखन स्वच्छता अभियान मे सभक सहभागिता होयत। हुनका लोक सं अपील केलनि जे कचराक समुचित निस्तारण लेल गील आ सुखल कचरा अलग-अलग दिय आ अपन आसपासक जगह कें साफ राखी।