टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
- कांग्रेसक प्रवक्ता असित नाथ तिवारी कहलनि, एकहु बेर कांग्रेस सं नहि लेल कोनो राय
-
राजद पहिनहि छह उम्मीदवारक कए चुकल अछि घोषणा
पटना, समदिया
बिहार मे विधान परिषदक आठ सीट पर होमयबला चुनाव सं पहिने कांग्रेस आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद)क बीच वर्षो पुरान संबंध मे दरार बढ़ैत देखाइ पड़ि रहल अछि। कांग्रेस महागठबंधन सं औपचारिक रूपें अलग भए अपन दम पर विधान परिषदक आठो सीट पर उम्मीदवार उतारि सकैत अछि। राजद पहिनहि छओ सीट लेल अपन उम्मीदवारक घोषणा कए चुकल अछि।
कांग्रेसक प्रवक्ता असित नाथ तिवारी कहलनि जे राजद छओ उम्मीदवारक घोषणा कएलक, मुदा एकहु बेर कांग्रेस सं एहि संबंध मे राय नहि लेल गेल। हुनकर कहब छल जे जखन गठबंधनक निर्णय मे कांग्रेसक राय नहि लेल गेल, तखन गठबंधन बांचल कतय? ओना, राजद दू सीट एखन सुरक्षित रखने अछि। एहि मे एक कोसी शिक्षक आ दोसर दरभंगा शिक्षक सीट अछि। दरभंगा शिक्षक सीट सं कांग्रेस नेता मदन मोहन झा वर्तमान मे विधान पार्षद छथि। राजदक जारी सूची मे कहल गेल अछि जे एहि दुनू सीट पर पार्टी एखन विचार कए रहल अछि।
विधानसभा चुनाव मे हारिक बाद कांग्रेसक नेता सभ दिल्ली मे शीर्ष नेतृत्वक संग समीक्षा बैठक केलनि। एहि दौरान हारि लेल राजद कें जिम्मेदार ठहराओल गेल। एकरा बाद राजदक प्रदेश अध्यक्ष मंगनी लाल मंडल पलटवार करैत कहलनि जे जं कांग्रेस अलग बाट पकड़य चाहैत अछि तं पकड़ि लेथि, हुनका अपन वास्तविक ताकतिक पता चलि जाएत। हुनकर आरोप छल जे बिहार मे कांग्रेसक शक्ति समाप्त भए गेल अछि।
कांग्रेस नेता शकील अहमद खान सेहो कहलनि जे महागठबंधन आब व्यावहारिक नहि रहल। राजदक संग गठबंधन सं कांग्रेस कें ने चुनावी लाभ भेटल आ ने संगठनात्मक लाभ, उनटे नोकसान भेल। कांग्रेसक प्रदेश अध्यक्ष राजेश राम जनवरी मे कहने छलाह जे राजदक संग हुनकर गठबंधन मात्र चुनाव लेल छल। जखन तत्काल कोनो चुनाव नहि अछि, तखन गठबंधन पर चर्चा अप्रासंगिक अछि। एखन कांग्रेसक प्राथमिकता संगठन कें मजबूत करब अछि।
मार्च मे भेल राज्यसभा चुनाव मे राजद अमरेंद्र धारी सिंह (एडी सिंह)कें उम्मीदवार बनौलक। मुदा कांग्रेसक तीन विधायक मनोज विश्वास, मनोहर प्रसाद सिंह आ सुरेंद्र कुशवाहा मतदान मे नहि पहुंचलाह। परिणामस्वरूप राजदक उम्मीदवार पराजित भए गेलाह। बाद मे तीनू विधायक कहलनि जे कांग्रेस सं विचार-विमर्श केने बिना उम्मीदवारक घोषणा कएल गेल छल, एहि कारणें ओ मतदान सं दूर रहलाह।
कांग्रेस आ राजदक बीच दूरीक इतिहास पुरान अछि। 2007केर आसपास राहुल गांधी पार्टी मे सक्रिय छलाह, तखन बिहार कांग्रेसक नेता सभ हुनका लालू यादव सं संबंध समाप्त कए बिहार मे पार्टी कें नव रूपें मजबूत करबाक सलाह देने छलाह। कांग्रेस 2009क लोकसभा चुनाव आ 2010क विधानसभा चुनाव राजद सं अलग लड़ल छल, मुदा चुनावक बाद दुनू दल फेर एक संग आबि गेल छल।
2004 सं 2024 धरि भेल पांच लोकसभा चुनाव मे कांग्रेस मात्र 2009 मे राजद सं अलग लड़ल। ओहि चुनाव मे कांग्रेस 40 मे सं 37 सीट पर उम्मीदवार उतारलक आ मात्र दू सीट जीतलक। विधानसभा चुनाव मे सेहो कांग्रेस फरवरी 2005 आ अक्टूबर 2010 मे दू बेर राजद सं अलग लड़ल। 2010 मे कांग्रेस 243 सीट पर उम्मीदवार उतारि मात्र चारि सीट जीतने छल।