Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Avatar
By Samadiya Mithila
September 12, 2026 2 Min Read
0

 

सीतामढ़ी: जिलाक डुमरा थाना क्षेत्रमे मॉर्निंग वॉक पर निकलल जिला पार्षद पति बैद्यनाथ महतोक हत्या के बाद जमिकए बवाल भेल। लोकक भारी आक्रोश कें देखैत थानाध्यक्ष मुकेश कुमार कें निलंबित कए देल गेल अछि। ग्रामीणसभ हुनका आरोपितसभ कें बचयबाक आरोप लगौलनि छलाह।

दरअसल, एहि सं पहिने 28 अगस्तक राति बदमाशसभ बैद्यनाथ महतोक घर पर हवाई फायरिंग कएने छल। घटना के बाद ओ थानामे पहुंचि पुलिस कें दूटा खोखा उपलब्ध करौने छलाह।

मामिलामे एजाज आ त्रिभुवन सहित 3 लोकक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। ग्रामीणसभक आरोप अछि जे प्राथमिकी दर्ज भेलाक बावजूद एखन धरि कोनो आरोपितक गिरफ्तारी नहि भेल।

ग्रामीणसभक आरोप छल जे पुलिस घटनाक वीडियो मांगि रहल छल आ तकर बादे कारबाइ करबाक बात कहि रहल छल। ग्रामीणसभक कहब छल जे प्राथमिकी दर्ज करबाक संग पुलिस कें घटनामे उपयोग कएल गेल खोखा सेहो उपलब्ध करा देल गेल छल, तखन कारबाइक लेल आरो कतेक साक्ष्यक आवश्यकता छल।

घटनाक बाद गांवमे तनाव आ आक्रोशक माहौल अछि। बैद्यनाथक हत्या के बाद गुस्साएल लोकसभ जमिकए बवाल कएलनि। ओ सभ सड़क पर आगजनी आ तोड़फोड़ करबाक संग गांवक आरोपित एजाजक घरमे आगि लगा देलनि।

स्थिति कें नियंत्रित करबाक लेल एसपी अमित रंजन आ एसडीएम सहित 12 थानाक पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल। मुदा समझयबाक क्रममे ग्रामीणसभ पुलिस टीम पर पथराव कए देलनि।

पथरावमे इंस्पेक्टर अनिल राम आ ट्रैफिक थानाध्यक्ष प्रशांत कुमारक माथमे चोट लागल। दूनू पुलिस अधिकारी कें उपचारक लेल पठाओल गेल।

उग्र भीड़ डुमरा थानामे तालाबंदी करबाक प्रयास सेहो कएलक आ पुलिसक गाड़ीसभ कें क्षतिग्रस्त कए देलक। सड़क पर आगजनी कए लोकसभ आवागमन सेहो ठप कए देलक।

बताओल जा रहल अछि जे बैद्यनाथ महतो क्षेत्रमे शराबक कारोबारक विरोध करैत छलाह। एहि कारणे ओ शराब तस्करसभक निशान पर छलाह। शिकायत कें लए हुनकर विवाद चलि रहल छल।

एहि विवाद कें हत्या कए कारण मानल जा रहल अछि। पुलिस मामिलाक जांचमे जुटल अछि आ आरोपितसभक गिरफ्तारी लेल छापेमारी कएल जा रहल अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहार मे चमकी बुखारक खतरा, मधुबनी सहित 8 जिला मे अलर्ट

Next

ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित
  • नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहार मे चमकी बुखारक खतरा, मधुबनी सहित 8 जिला मे अलर्ट

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित
  • नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहार मे चमकी बुखारक खतरा, मधुबनी सहित 8 जिला मे अलर्ट

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech