ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
- यूएन सं आतंकवाद पर प्रस्ताविक अंतरराष्ट्री संधि कें शीघ्र लागू करबाक कएल गेल मांग
-
अमेरिका द्वारा लगाओल गेल एकभगाह टैरिफक कएल गेल निंदा
-
परमाणु हथियारक प्रयोगक आशंका पर जताओल गेल चिंता
-
भारतक अध्यक्षता मे भेल ब्रिक्स सम्मेलनक सफलता आ आउटरिच संवादक कएल गेल प्रशंसा
-
ब्रिक्स देश सबहक लेल 20 सालक एजेंडा बनेबा पर देल गेल जोर
नई दिल्ली, एजेंसी
रूस आ चीन सहित ब्रिक्सक सदस्य देश सभ पहलगाम मे भेल आतंकवादी हमलाक कड़ा निंदा केलनि। सदस्य देश सभ कहलनि जे आतंकवादी सभ कें शरण देनिहारक विरुद्ध मिलि कए कारबाइ कएल जायत। एकर संगहि आतंकवादी सभ धरि पहुंचयबला धनक प्रवाह रोकबाक आ हुनका सुरक्षित ठिकाना उपलब्ध करेनिहारक विरुद्ध सेहो कारबाइ करबाक सहमति बनल।
ब्रिक्स देशक बीच साझा घोषणापत्र जारी करबाक सहमति एहन समय मे बनल अछि, जखन पश्चिम एशिया मे तनावक स्थिति अछि आ ईरान, सऊदी अरब तथा संयुक्त अरब अमीरातक कतेको विषय पर अलग-अलग मत अछि। भारत लगातार संवादक माध्यम सं एहि मतभेद सभ कें दूर करबाक आ सदस्य देश सभक बीच आम सहमति बनेबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौलक।
पहलगाम हमलाक कड़ा निंदा सं स्पष्ट अछि जे ब्रिक्स देश सभ आतंकवादक मुद्दा पर पाकिस्तान कें बिना नाम लेने कड़ा संदेश देलक अछि। घोषणापत्र मे आतंकवादक कोनो रूपक प्रति शून्य-सहनशीलताक नीति पर जोर देल गेल अछि आ आतंकवादक मुकाबिला मे दोहरा मापदंड नहि अपनेबाक भारतक आग्रहक समर्थन कएल गेल।
ब्रिक्स शिखर सम्मेलन मे सर्वसम्मति सं घोषणापत्र पारित कएल गेल। एहि मे कहल गेल जे सदस्य देश सभ सीमापार आतंकवादी गतिविधि, आतंकवादक वित्तपोषण आ आतंकवादी सभ कें सुरक्षित ठिकाना देबाक सहित आतंकवादक सभ रूपक विरुद्ध अपन प्रतिबद्धता दोहरबैत छथि।
घोषणापत्र मे ईहो स्पष्ट कएल गेल जे आतंकवाद कें कोनो धर्म, राष्ट्रीयता, सभ्यता अथवा जातीय समूह सं नहि जोड़ल जेबाक चाही। आतंकवादी गतिविधि अथवा ओकर समर्थन मे संलग्न प्रत्येक व्यक्ति कें संबंधित राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय कानूनक अनुसार उत्तरदायी ठहराओल जेबाक चाही आ हुनका न्यायिक प्रक्रिया मे अनबाक चाही।
ब्रिक्स कहलक जे आतंकवादक विरुद्ध लड़ाइ प्रत्येक देशक प्राथमिक जिम्मेदारी अछि। आतंकवादी खतरा रोकबाक आ ओकर मुकाबिला करबाक लेल वैश्विक स्तर पर होइत सभ प्रयास मे संयुक्त राष्ट्र चार्टर सहित अंतरराष्ट्रीय कानूनक अंतर्गत अपन जिम्मेदारीक पूर्ण पालन होयबाक चाही।
घोषणापत्र मे 22 अप्रैल 2025 कें जम्मू-कश्मीरक पहलगाम मे भेल आतंकवादी हमलाक सेहो कड़ा निंदा कएल गेल। एहि हमला मे 26 लोकक मृत्यु भेल छल आ कतेको लोक घायल भेल छल। ब्रिक्स देश सभ कहलक जे आतंकवादक कोनो काज, ओकर उद्देश्य जे किछु हो, जखन, जतय आ जे कियो करय, ओकर कड़ा निंदा होयबाक चाही आ एकरा आपराधिक तथा अनुचित मानल जेबाक चाही।
एकर संगहि संयुक्त राष्ट्र मे आंतकवारोधी संधि शीघ्र करबा पर जोर देल गेल। कहल गेल जे अंतरराष्ट्रीय आतंकवाद पर प्रस्तावित संधि कें अति शीघ्र अपनाओल जाय। एकर संगहि ब्रिक्स देशक अपसी सम्मान, एकजुटता आ सहमति सं फैसला लेबा पर जोर देल गेल। ब्रिक्स केर सदस्य देश सभ एकतरफा टैरिफक सेहो निंदा केलक आ एकरा अवैध बतौलक। कहल गेल जे एहन नियम डब्ल्यूटीओ अंतर्गत होमक चाही।