नेपाल मे बाढ़िक बाद बिहार मे चमकी बुखारक खतरा, मधुबनी सहित 8 जिला मे अलर्ट
मधुबनी: नेपाल मे पिछला मास आयल भीषण बाढ़िक बाद बिहारक सीमावर्ती जिला मे एईएस (चमकी बोखार) आ जापानी इंसेफेलाइटिसक खतरा बढ़ि गेल अछि। बाढ़िक बाद जलजमाव आ मच्छरक प्रजनन स्थल मे वृद्धि कें देखैत राज्य स्वास्थ्य समितिक दिस सं अलर्ट जारी कएल गेल अछि।
कार्यपालक निदेशक अमित कुमार पांडेय अररिया, किशनगंज, मधुबनी, मुजफ्फरपुर, पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, सीतामढ़ी आ सुपौल जिलाक सिविल सर्जन कें निगरानी तेज करबाक निर्देश देलनि अछि।
सिविल सर्जन डॉ. हरेंद्र कुमार बतौलनि जे स्वास्थ्यकर्मी सभ कें समुदाय स्तर पर रोगक लक्षणक पहचान कए तत्काल सूचना देबाक लेल कहल गेल अछि।
संदिग्ध रोगीक सूची तैयार कए बिना विलंब नजदीकी स्वास्थ्य केंद्र धरि पहुंचाओल जाएत। सभ अस्पताल मे आवश्यक औषधि आ उपकरण पर्याप्त मात्रा मे राखबाक निर्देश देल गेल अछि।