खगड़ियाक सरकारी स्कूलक सीढ़ी टूटल, दू छात्राक मृत्यु
- तीन बच्ची अछि घायल, चलि रहल अछि इलाज
फोटो : खगड़िया
खगड़िया, समदिया
मानसी थाना क्षेत्रक अमनी गाम स्थित जटाधर मिश्र प्राथमिक विद्यालय, पासवान टोला मे बुधदिन अनचोके सीढ़ी ध्वस्त भए गेल। सीढ़ीक मलबा मे दबि गेला सं 9 वर्षीया छात्रा रीतिका कुमारीक मृत्यु भए गेल, जखन कि तीन अन्य बच्चा घायल भए गेल। घटना सं विद्यालय परिसर मे अफरा-तफरी मचि गेल। सूचना भेटिते स्थानीय लोक घटनास्थल पर पहुंचि बचाव-काज मे जुटि गेलाह। घायल बच्चा सभ कें इलाज लेल सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।
घटनाक सूचना पर सदर एसडीएम धनंजय कुमार सहित प्रशासनिक अधिकारी घटनास्थल पर पहुंचि स्थितिक निरीक्षण केलनि। एसडीएम कहलनि जे प्रारंभिक जानकारी अनुसार विद्यालयक सीढ़ी वर्ष 2018-19 सं क्षतिग्रस्त छल। ग्रामीण सभक अनुसार एहि संबंध मे विद्यालय प्रशासन कें कतेको बेर जानकारी देल गेल छल।
धनंजय कुमार कहलनि जे घटनाक जांच कराओल जा रहल अछि आ जांच मे जे तथ्य सामने आएत, तदनुसार आवश्यक कारबाइ कएल जाएत। जिलाधिकारीक निर्देश पर विद्यालयक सुरक्षा जांच लेल एकटा टीम गठित कएल गेल अछि। ई टीम आगांक दू दिन मे विद्यालय सभक सुरक्षा ऑडिट करत आ जर्जर भवन अथवा खतरनाक हिस्साक पहिचान कए आवश्यक कारबाइक अनुशंसा करत।
घटनाक बाद स्थानीय लोक मे सेहो चिंता देखल गेल। ग्रामीण सभ विद्यालय भवनक नियमित जांच करबाक आ कमजोर हिस्सा कें समय रहिते दुरुस्त करबाक मांग केलनि, जाहि सं भविष्य मे एहन दुर्घटनाक पुनरावृत्ति रोकल जा सकय।