Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

नीक भेल जे नीतीश कुमार चलि गेलाह, हुनका आइ ने काल्हि जेबाके छलनि : सोनिया गांधी

Avatar
By Samadiya Mithila
September 30, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • इंडिया गंठबंधनक बैसार मे दिग्विजय सिंह उठौलनि नीतीशक मुद्दा तं शुरू भेल विवाद

 

नई दिल्ली, एजेंसी

विपक्षी दलक इंडिया गठबंधनक बुधदिन दिल्ली मे प्रस्तावित बैठक सं एक दिन पहिने कांग्रेस कार्यसमितिक बैठक मे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें लए कए खूब चर्चा भेल। कांग्रेस नेता दिग्विजय सिंहक अनुसार, नीतीश कुमार कें इंडिया गठबंधन सं अलग नहि होमय देबाक चाही छल। हुनकर कहब छल जे नीतीश गठबंधन मे रहितथि तं राजनीतिक परिस्थिति अलग रहैत। एहि पर सोनिया गांधी असहमति जतबैत कहलनि जे नीतीश कुमार समय रहिते गठबंधन सं बाहर चलि गेलाह, से नीक भेल। हुनकर अनुसार, नीतीश कें गठबंधन सं बाहर जेबाक छल आ ओ पहिने सं एकर रस्ता तकैत छलाह।

सोनिया गांधीक एहि टिप्पणी पर केंद्रीय मंत्री आ भाजपा नेता गिरिराज सिंह प्रतिक्रिया देलनि। हुनकर कहब छल जे सोनिया गांधी कें नीतीश कुमारक निष्ठा पर सवाल उठेबाक नैतिक अधिकार नहि अछि। गिरिराज सिंह कहलनि जे नीतीश कुमार अपन दीर्घ सार्वजनिक जीवन मे ने भ्रष्टाचार कें बढ़ावा देलनि आ ने देशविरोधी तत्व सभ कें संरक्षण। हुनकर अनुसार, केंद्र सरकार मे मंत्री रहथि अथवा बिहारक मुख्यमंत्री, नीतीशक प्राथमिकता राष्ट्र आ जनहित रहल अछि।

गिरिराज सिंह दावा केलनि जे नीतीश कुमार कहियो गद्दारी नहि केलनि आ हुनकर देशभक्ति कें लए कए संदेहक कोनो कारण नहि अछि। सोनिया गांधी पर टिप्पणी करैत ओ कहनि जे हुनकर स्थिति ओहि कहावतक समान अछि जे चालनि दूसय सूप कें, जाहि मे अपने कतेको छिद्र छैक।

बॉक्स

कांग्रेस लेल अपन परिवार आ राजनीतिक हित बेसी आवश्यक छल

नीतीश कुमारक इंडिया गठबंधन छोड़ि एनडीए मे वापसी कें लए कए जनता दल यूनाइटेडक कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष संजय झा सेहो सोनिया गांधीक कथन पर प्रतिक्रिया देलनि। संजय झा कांग्रेसक रवैया कें गठबंधन सं नीतीशक अलग होबाक प्रमुख कारण बतबैत कहलनि जे कांग्रेस लेल अपन परिवार आ राजनीतिक हित बेसी महत्वपूर्ण छल।  संजय झाक अनुसार, इंडिया गठबंधन मे शामिल कतेको नेता प्रारंभ मे कांग्रेस कें छोड़ि विपक्षी मोर्चा बनाबय चाहैत छलाह। ओ सभ नीतीश कुमार सं कांग्रेस नेता सभक बिना बैठक करबाक आग्रह सेहो केने छलाह। हुनकर दावा अछि जे नीतीश कुमार स्वयं इंडिया गठबंधनक संयोजक बनबाक इच्छा नहि जतौने छलाह, बल्कि कांग्रेसक रवैया सं निराश भए कए गठबंधन सं अलग होयबाक निर्णय लेने छलाह।

नीतीश कें लए कए कांग्रेस मे मतभेद

नीतीश कुमारक इंडिया गठबंधन सं अलग होयबाक मुद्दा पर कांग्रेसक भीतर सेहो अलग-अलग मत सामने आएल अछि। दिग्विजय सिंहक मानब छल जे नीतीश कें गठबंधन मे बनौने राखल गेल रहैत तं राजनीतिक परिस्थिति अलग रहैत। दोसर दिस सोनिया गांधी आ कांग्रेसक किछु अन्य वरिष्ठ नेताक मत छल जे नीतीशक गठबंधन मे टिकनाइ निश्चित नहि छल।

नीतीश कुमार जनवरी 2024 मे बिहारक महागठबंधन सं अलग भए भाजपा नेतृत्वबला एनडीए सं फेर हाथ मिलौने छलाह। एहि घटनाक बाद इंडिया गठबंधनक भीतर नेतृत्व, संयोजकक पद आ आपसी विश्वास कें लए कए सेहो बहस भेल छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewssonia gandhi
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सच्चिदानंद सच्चू कें उपन्यास ‘जाल’ लेल सम्मानित कएल गेल

Next

खगड़ियाक सरकारी स्कूलक सीढ़ी टूटल, दू छात्राक मृत्यु

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बिहार मे ‘डस्टबिन घोटाला’? कचराक डिब्बा मे करोड़क खेल, हाई कोर्ट सरकार सं मांगलक जवाब
  • पंजाब सीएम भगवंत मानक कार्यालय पर सीबीआईक छापा
  • आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य खतरा प्रबंधन पर आशा कार्यकर्ताक प्रशिक्षण
  • सेवा सेतु शिविर मे समस्याक त्वरित समाधानक भरोसा : संजय सरावगी
  • ज्ञानेश कुमार आ एसआईआरक विरोध मे धरना पर राहुल-प्रियंका, पुलिस लेलक हिरासत मे

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 03.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-10-2026
  • आजुक ई पेपर
      कृपया एतय क्लिक करी 30-09-2026
  • आजुक ई पेपर
        कृपया एतय क्लिक करी 29-09-2026
  • कृपया एतय क्लिक करी 28-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 27-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बिहार मे ‘डस्टबिन घोटाला’? कचराक डिब्बा मे करोड़क खेल, हाई कोर्ट सरकार सं मांगलक जवाब
  • पंजाब सीएम भगवंत मानक कार्यालय पर सीबीआईक छापा
  • आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य खतरा प्रबंधन पर आशा कार्यकर्ताक प्रशिक्षण
  • सेवा सेतु शिविर मे समस्याक त्वरित समाधानक भरोसा : संजय सरावगी
  • ज्ञानेश कुमार आ एसआईआरक विरोध मे धरना पर राहुल-प्रियंका, पुलिस लेलक हिरासत मे

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech