Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

23 खेल विधा मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार खेलाड़ी प्रमंडलीय प्रतियोगिता लेल चयनित

Avatar
By Samadiya Mithila
October 1, 2026 1 Min Read
0

 

सहरसा, समदिया

जिला स्तरीय तीन दिवसीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिताक समापन बृहस्पति कें भेल। एहि दौरान पुलिस लाइन मैदान, पटेल मैदान, जिला स्कूल मैदान, इंडोर स्टेडियम आ खेल भवनक व्यायामशाला मे एक संग विभिन्न खेल प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल। तीन दिन धरि चलल प्रतियोगिता मे जिलाक विभिन्न प्रखंड सं आएल छात्र-छात्रा सभ अपन प्रतिभा आ खेल कौशलक प्रदर्शन केलनि। जिला खेल पदाधिकारी कहलनि जे प्रतियोगिताक 23 खेल विधा मे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार खिलाड़ीसभक चयन प्रमंडल स्तरीय प्रतियोगिता लेल कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे प्रमंडलीय प्रतियोगिताक लेल चयनित खिलाड़ीसभक नीक तैयारी कराओल जाएत, जाहि सं ओ सभ आत्मविश्वासक संग अपन प्रदर्शन कए सकथि। जिला प्रशासन खेलाड़ी सभ कें आगू बढ़बाक लेल हरसंभव सहयोग करत। प्रतियोगिता मे फुटबॉल, हैंडबॉल, रग्बी, एथलेटिक्स, कबड्डी, खो-खो, शतरंज, बैडमिंटन, योग, वेटलिफ्टिंग, कुश्ती आ हॉकी सहित विभिन्न खेलक आयोजन भेल। अलग-अलग खेल विधा मे छात्र-छात्रा सभ उत्साहक संग भाग लैत अपन खेल प्रतिभाक प्रदर्शन केलनि। प्रतियोगिताक सफल संचालन मे कार्यपालक सहायक राहुल कुमार, शारीरिक शिक्षा शिक्षक मनोरंजन कुमार सिंहक संग रोशन कुमार सिंह, धोनी, प्रमोद कुमार झा, शशि भूषण, समी अहमद, नीतीश मिश्रा, महेश कुमार, तुषार कात्यान आ अमरिंद कुमार अमरक महत्वपूर्ण योगदान रहल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

साहित्यकार धीरेंद्रक चुनल रचनासभक एकत्र संचयन प्रकाशित

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • Lathi charge on protesters in France, 1000 arrested: Millions took to the streets against rising prices, police in Paris released tear gas
  • शरद पूर्णिमाक अवसर पर राष्ट्रीय मखान महोत्सवक भेल शुभारंभ, सांसद कयलनि उद्घाटन
  • शाहपुर मे पोखरि-पार्क निर्माणक 2.90 करोड़ टाकाक योजना कें 24 भाग मे बांटबाक आरोप
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • Lathi charge on protesters in France, 1000 arrested: Millions took to the streets against rising prices, police in Paris released tear gas
  • शरद पूर्णिमाक अवसर पर राष्ट्रीय मखान महोत्सवक भेल शुभारंभ, सांसद कयलनि उद्घाटन
  • शाहपुर मे पोखरि-पार्क निर्माणक 2.90 करोड़ टाकाक योजना कें 24 भाग मे बांटबाक आरोप
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech