Skip to content
Samadiya Mithila
Menu
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Menu

गुप्त सूचनाक आधार पर मद्यनिषेध टीमक पैघ कारवाई, 1,011 लीटर विदेशी शराब आ बीयर सं संग एक गोटे गिरफ्तार

Posted on July 16, 2026July 16, 2026 by Samadiya Mithila

दरभंगा, समदिया

सहायक आयुक्त, मद्यनिषेध प्रदीप कुमार जनौलनि जे मद्यनिषेध टीम, दरभंगा कें गुप्त सूचना प्राप्त भेलाक बाद रात्रि मे कमतौल थाना क्षेत्रक अहियारी गोट डीह टोला मे विशेष छापेमारी अभियान चलाओल गेल।

छापेमारीक क्रम मे टीम कमतौल थाना क्षेत्र सं लगभग 10 लाख रुपैयाक मूल्यक 806 लीटर विदेशी शराब आ 205 लीटर बीयर, अर्थात् कुल 1,011 लीटर अवैध मदिरा बरामद कएलक। कारवाईक दौरान एक गोटे आरोपी कें सेहो गिरफ्तार कएल गेल।

सहायक आयुक्त जनौलनि जे गिरफ्तार आरोपीक विरुद्ध बिहार मद्यनिषेध आ उत्पाद अधिनियमक प्रावधानक अंतर्गत अग्रेतर विधिसम्मत कारवाई कएल जा रहल अछि।

ओ कहलनि जे जिला मे अवैध मदिराक निर्माण, भंडारण, परिवहन आ बिक्रीक विरुद्ध मद्यनिषेध विभागक अभियान निरंतर जारी रहत तथा एहि प्रकारक गैरकानूनी गतिविधि मे संलिप्त व्यक्तिसभक विरुद्ध कठोर कारवाई कएल जाएत।

सहायक आयुक्त आमजन सं सेहो अपील कएलनि जे अवैध मदिरा सं संबंधित कोनो प्रकारक सूचना भेटलापर अविलंब मद्यनिषेध विभाग अथवा स्थानीय पुलिस कें अवगत कराबथि, जाहि सं समय पर आवश्यक कारवाई सुनिश्चित कएल जा सकए।

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Recent Posts

  • स्कूली वैन मे आगि लागल, धू-धू कए जरल गेल वाहन, बाल-बाल बचल चालक
  • जयनगर मे गैस सिलिंडरक अवैध जमाखोरीक भंडाफोड़, 7 भरल आ 14 खाली सिलिंडर जब्त
  • गुप्त सूचनाक आधार पर मद्यनिषेध टीमक पैघ कारवाई, 1,011 लीटर विदेशी शराब आ बीयर सं संग एक गोटे गिरफ्तार

LOREM IPSUM

Sed ut perspiciatis unde omnis iste natus voluptatem fringilla tempor dignissim at, pretium et arcu. Sed ut perspiciatis unde omnis iste tempor dignissim at, pretium et arcu natus voluptatem fringilla.

©2026 Samadiya Mithila | Design: Newspaperly WordPress Theme