Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

स्कूली वैन मे आगि लागल, धू-धू कए जरल गेल वाहन, बाल-बाल बचल चालक

Avatar
By Samadiya Mithila
July 16, 2026 2 Min Read
0

 

– निजी स्कूल सभ दिस सं संचालित स्कूली वाहनक उपयुक्त फिटनेस, नियमित तकनीकी परीक्षण आ सुरक्षा व्यवस्था पर उठय लागल अछि प्रश्न

बेनीपट्टी, समदिया

मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी थाना क्षेत्रक लोरिका आ बाबा चौकक बीच बृहस्पतिदिन एकटा स्कूली मैजिक वाहन मे अनचोके आगि लागि गेल, जाहि सं क्षेत्र मे अफरा-तफरीक वातावरण उत्पन्न भए गेल। एहि घटना मे वाहन चालक बाल-बाल बचि गेलाह। सौभाग्य सं जखन आगि लागल, तखन वाहन मे कोनो छात्र-छात्रा सवार नहि छल, जाहि सं एकटा भीषण दुर्घटना टरि गेल।

प्राप्त जानकारी अनुसार, उच्चैठ स्थित इंडियन आइडल पब्लिक स्कूलक संचालन पंकज कुमार द्वारा कएल जाइत अछि। विद्यालयक वाहन चालक बच्चा सभ कें विद्यालय सं लोरिका छोड़ि कए वापस लौटि रहल छलाह। एहि क्रम मे लोरिका आ बाबा चौकक बीच एकटा पोखरिक निकट चलैत वाहन सं अनचोके धुआं निकलय लागल। किछुए क्षण मे आगिक लपटल समूचा वाहन कें अपन चपेट मे लए लेलक आ वैन धू-धू कए जरय लागल।

चालक सूझ-बूझ देखबैत तत्काल वाहन सं बाहर कूदि अपन प्राण बचौलनि। राहतक विषय ई रहल जे ओहि समय वाहन पूर्णतः खाली छल। जं छात्र सभ सवार रहितथि तं पैघ जनहानिक आशंका रहैत। जाहि वाहन मे आगि लागल, से विद्यालय संचालकक माता शैल देवीक नाम सं निबंधित अछि।

घटनाक सूचना भेटिते स्थानीय नागरिक सभ अग्निशमन विभाग आ डायल-112 पुलिस कें सूचित कएलनि। सूचना भेटलाक उपरांत ग्रामीण सभ प्रारंभिक स्तर पर अपन प्रयास सं आगि बुझेबा मे जुटि गेलाह। किछु समय बाद अग्निशमन विभागक वाहन घटनास्थल पर पहुंचल आ अथक प्रयासक बाद आगि पर नियंत्रण स्थापित कएल गेल। मुदा ताबत धरि संपूर्ण वाहन पूर्णरूपें जरि कए राख भए चुकल छल। अखन धरि आगि लगबाक वास्तविक कारण स्पष्ट नहि भए सकल अछि। डायल-112 पुलिस घटनास्थल पर पहुंचि आवश्यक जांच-पड़ताल आरंभ कए देने अछि आ आगिक कारणक संबंध मे अनुसंधान जारी अछि।

बच्चा सभ कें छोड़ि लौटि रहल छल स्कूली वैन

प्राप्त जानकारी अनुसार, उच्चैठ स्थित एकटा निजी विद्यालयक स्कूली वैन बच्चा सभ कें सुरक्षित रूप सं हुनकर घर पहुंचा कए खाली अवस्था मे विद्यालय दिस वापस लौटि रहल छल। लोरिका गामक निकट पहुंचिते वाहन सं अनचोके धुआं निकलय लागल। चालक किछु बुझि पाबथि, ताहि सं पहिनहि आगि तीव्र गति सं समूचा वाहन मे पसरि गेल।

प्रारंभिक जानकारीक आधार पर आगि लगबाक संभावित कारण शॉर्ट सर्किट मानल जा रहल अछि। यद्यपि वास्तविक कारणक पुष्टि जांच पूर्ण होयबाक उपरांते भए सकत। एहि घटनाक बाद निजी विद्यालय सभ द्वारा संचालित स्कूली वाहनक उपयुक्त फिटनेस, नियमित तकनीकी परीक्षण आ सुरक्षा व्यवस्था कें लए पुनः प्रश्न उठय लागल अछि। ई दुर्घटना एहि दिशा मे स्पष्ट संकेत दैत अछि जे विद्यालय प्रबंधन कें अपन वाहनसभक समुचित अनुरक्षण, समय-समय पर तकनीकी निरीक्षण आ सुरक्षा संबंधी मानकक कठोरतापूर्वक पालन पर विशेष ध्यान देबाक आवश्यकता अछि, जाहि सं भविष्य मे एहन अप्रिय घटनाक पुनरावृत्ति रोकल जा सकय।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जयनगर मे गैस सिलिंडरक अवैध जमाखोरीक भंडाफोड़, 7 भरल आ 14 खाली सिलिंडर जब्त

Next

100 लीटर गंगाजलक संग बाबा बैद्यनाथ धाम लेल विदा भेलाह शिवभक्त

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech