गुप्त सूचनाक आधार पर मद्यनिषेध टीमक पैघ कारवाई, 1,011 लीटर विदेशी शराब आ बीयर सं संग एक गोटे गिरफ्तार

दरभंगा, समदिया
सहायक आयुक्त, मद्यनिषेध प्रदीप कुमार जनौलनि जे मद्यनिषेध टीम, दरभंगा कें गुप्त सूचना प्राप्त भेलाक बाद रात्रि मे कमतौल थाना क्षेत्रक अहियारी गोट डीह टोला मे विशेष छापेमारी अभियान चलाओल गेल।
छापेमारीक क्रम मे टीम कमतौल थाना क्षेत्र सं लगभग 10 लाख रुपैयाक मूल्यक 806 लीटर विदेशी शराब आ 205 लीटर बीयर, अर्थात् कुल 1,011 लीटर अवैध मदिरा बरामद कएलक। कारवाईक दौरान एक गोटे आरोपी कें सेहो गिरफ्तार कएल गेल।
सहायक आयुक्त जनौलनि जे गिरफ्तार आरोपीक विरुद्ध बिहार मद्यनिषेध आ उत्पाद अधिनियमक प्रावधानक अंतर्गत अग्रेतर विधिसम्मत कारवाई कएल जा रहल अछि।
ओ कहलनि जे जिला मे अवैध मदिराक निर्माण, भंडारण, परिवहन आ बिक्रीक विरुद्ध मद्यनिषेध विभागक अभियान निरंतर जारी रहत तथा एहि प्रकारक गैरकानूनी गतिविधि मे संलिप्त व्यक्तिसभक विरुद्ध कठोर कारवाई कएल जाएत।
सहायक आयुक्त आमजन सं सेहो अपील कएलनि जे अवैध मदिरा सं संबंधित कोनो प्रकारक सूचना भेटलापर अविलंब मद्यनिषेध विभाग अथवा स्थानीय पुलिस कें अवगत कराबथि, जाहि सं समय पर आवश्यक कारवाई सुनिश्चित कएल जा सकए।