प्रधानमंत्री आवास योजनाक सूची मे भारी गड़बड़ीक आरोप
पक्का मकान आ वाहन रखनिहारक नाम शामिल करबाक शिकायत, फेर सं जांचक मांग
सहरसा। प्रधानमंत्री आवास योजना (ग्रामीण) अंतर्गत प्रकाशित लाभुकक सूची मे गड़बड़ी कएल गेलाक मामिला सामने आएल अछि। जिला प्रशासनक निर्देश पर जिलाक विभिन्न पंचायत मे आमसभा आयोजित कए आवास योजनाक सूची सार्वजनिक कएल जा रहल अछि। एहि दौरान सूची मे एहन लोकक नाम शामिल रहबाक शिकायत सामने आएल अछि, जे कथित रूप सं योजनाक निर्धारित पात्रता मानदंड पूरा नहि करैत छथि।
जानकारीक अनुसार, पंचायत स्तर पर सेल्फ सर्वे आ आवास सहायकक माध्यम सं जियो टैगिंग सहित दोसर प्रक्रिया पूरा कए लाभुकक सूची तैयार कएल गेल अछि। ग्रामीण सभक आरोप अछि जे तैयार सूची मे आर्थिक रूप सं सक्षम लोकक नाम सेहो शामिल भऽ गेल अछि। हुनकर अनुसार, सूची मे किछु एहन व्यक्तिक नाम अछि, जिनका लग पहिने सं पक्का आ छतदार मकान अछि। किछु नाम एहन लोकक सेहो बताओल जा रहल अछि, जिनका लग वाहन सहित दोसर सुविधा उपलब्ध अछि।
एहन मामिला मे योजनाक पात्रता मानदंडक जांच आवश्यक मानल जा रहल अछि। ग्रामीण सभक कहब अछि जे जं सक्षम आ संपन्न लोकके योजनाक लाभ भेटि गेल तं वास्तविक जरूरतमंद परिवार आवास योजनाक लाभ सं वंचित रहि सकैत छथि। एहि कारण पंचायत स्तर पर प्रकाशित सूची मे पारदर्शिता आ सत्यापन प्रक्रियापर सेहो प्रश्न उठि रहल अछि।
ग्रामीण सभ जिला प्रशासन सं मांग कएलनि अछि जे प्रकाशित सूची मे शामिल सभ नामक घर-घर जा भौतिक सत्यापन कराओल जाए। पात्रता मानदंड पूरा नहि कएनिहार लोकक नाम सूची सं हटाकए वास्तविक जरूरतमंद परिवारके योजनामे शामिल करबाक मांग कएल गेल अछि।
ग्रामीणक कहब अछि जे जिलाधिकारी दीपेश कुमार आ उप विकास आयुक्तक नेतृत्व मे सूचीक फेर सं गहन जांच कराओल जाए तं अपात्र लोकक नाम चिन्हित होयबाक संग वास्तविक लाभुकके प्रधानमंत्री आवास योजनाक लाभ भेटि सकैत अछि।