Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

मखान अनुसंधान केंद्र में हिंदी कार्यशाला, साहित्य सं संवेदना आ विज्ञान सं समाधान पर जोर

Avatar
By Samadiya Mithila
October 1, 2026 1 Min Read
0

 

दरभंगा, समदिया

राष्ट्रीय मखान अनुसंधान केंद्र, दरभंगा मे बृहस्पति कें त्रैमासिक हिंदी कार्यशालाक आयोजन कएल गेल। संस्थानक राजभाषा प्रभारी आ वरिष्ठ वैज्ञानिक डॉ. मनोज कुमार मुख्य वक्ता महात्मा गांधी महाविद्यालयक सहायक प्राध्यापक डॉ. लाल कुमार सहित सभ प्रतिभागीक स्वागत कएलनि। डॉ. मनोज कुमार कहलनि जे कार्यशालाक उद्देश्य राजभाषा हिंदीक प्रभावी प्रसारक संग साहित्यक माध्यम सं सामाजिक संवेदना, नागरिक दायित्व-बोध आ मानवीय मूल्य मे मजबूती आनब अछि। साहित्य संवेदना कें दिशा दैत अछि, जखन कि विज्ञान सामाजिक समस्याक समाधानक बाट देखबैत अछि।

 

मुख्य वक्ता डॉ. लाल कुमार स्वाधीनता आंदोलन मे हिंदीक भूमिका आ प्रेमचंद साहित्य मे ग्रामीण आ कृषक जीवन विषयपर विस्तार सं व्याख्यान देलनि। ओ कहलनि जे प्रेमचंदक साहित्य मे ग्रामीण आ कृषक जीवनक सजीव चित्रण भेटैत अछि। हुनकर रचना मे किसान आ ग्रामीण समाजक समस्या, संघर्ष आ संवेदना कें प्रभावी ढंग सं प्रस्तुत कएल गेल अछि। डॉ. लाल कुमार कहलनि जे विज्ञान आ साहित्य दुनू अपन-अपन माध्यम सं सामाजिक समस्या कें बुझबा आ ओकर समाधानक दिशा तय करबा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभबैत अछि। एहि अवसरपर वैज्ञानिक डॉ. धर्मेंद्र अपन स्वरचित कविताक पाठ कएलनि। कृधा नंदिनी गांधी जयंतीक पूर्व संध्यापर राष्ट्रपिता महात्मा गांधी कें समर्पित कविता प्रस्तुत कएलनि। कार्यक्रम मे संस्थानक वैज्ञानिक, तकनीकी आ सहायक कर्मी सभ सहभागी भेलाह। धन्यवाद ज्ञापन डॉ. धर्मेंद्र कएलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

प्रधानमंत्री आवास योजनाक सूची मे भारी गड़बड़ीक आरोप

Next

कोनो परिस्थिति मे बाल श्रम सहन नहि होयत : जिलाधिकारी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech