Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

कोनो परिस्थिति मे बाल श्रम सहन नहि होयत : जिलाधिकारी

Avatar
By Samadiya Mithila
October 1, 2026 2 Min Read
0

 

धावा दलक टीम 7 बाल श्रमिक कें करौलक मुक्त

 

मधुबनी, समदिया

जिला पदाधिकारी, मधुबनी आनंद शर्माक मार्गदर्शन मे श्रम अधीक्षक रतीश कुमारक नेतृत्व मे गठित धावा दल द्वारा विशेष धावा दल संचालनक आखरी दिन बाल श्रमक विरुद्ध सघन जांच अभियान चलाओल गेल। मधुबनी जिला मे संचालित एहि अभियानक दौरान कुल 7 बाल आ किशोर श्रमिक कें विभिन्न स्थान, यथा पंडौल, राजनगर आ मधुबनी सदर सं सकुशल मुक्त कराओल गेल। मुक्त कराओल गेल सभ बाल आ किशोर श्रमिक कें आवश्यक कारबाइ लेल बाल कल्याण समिति समक्ष प्रस्तुत कएल गेल। मधुबनी जिलाक सभ प्रखंड मे आगू सेहो बाल श्रम मुक्ति विशेष अभियान जारी रहत। एहि अभियानक अंतर्गत ढाबा, दोकान, प्रतिष्ठान, मोटर गैराज, ईंट-भट्ठा आ अन्य संस्थान मे बाल आ किशोर श्रमक विरुद्ध लगातार कारबाइ कएल जा रहल अछि। श्रम अधीक्षक रतीश कुमार कहलनि जे बिहार मे बाल श्रम उन्मूलनक लेल सितंबर मास मे विशेष धावा दलक अंतर्गत जिला मे विभिन्न ढाबा, दोकान, प्रतिष्ठान, मोटर गैराज, ईंट-भट्ठा, बीड़ी सहित अन्य कारखाना मे कार्यरत बाल श्रमिक, किशोर श्रमिक आ बंधुआ श्रमिक कें मुक्त कराबय लेल धावा दल संचालित कएल गेल। धावा दलक निरीक्षणक क्रम मे बाल श्रम करेनिहार नियोजक सभ पर कड़ा कारबाइ कएल जाएत। मधुबनी मे बाल श्रम उन्मूलनक लेल विभिन्न स्तर पर प्रयास कएल जा रहल अछि। सरकार आ विभिन्न संगठन द्वारा बाल श्रमक विरुद्ध जागरूकता अभियान चलाओल जा रहल अछि। संगहि, बाल श्रमिक सभ कें शिक्षा आ सरकारी योजना सभ सं जोड़बाक प्रयास सेहो कएल जा रहल अछि। बाल श्रमिक सभ कें मुक्त कराओलाक बाद हुनकर आर्थिक सहायता आ पुनर्वास लेल सरकार आ सर्वोच्च न्यायालयक निर्देशानुसार आवश्यक कारबाइ कएल जाइत अछि।

 

मुक्तिक बाद आर्थिक सहायता

सर्वोच्च न्यायालयक एमसी मेहता बनाम तमिलनाडु सरकार मामिला मे पारित आदेशक अनुसार नियोजक कें प्रत्येक बाल श्रमिकक लेल 20 हजार टाका जिला बाल श्रमिक पुनर्वास कोष मे जमा करय पड़ैत अछि। योग्य बाल श्रमिक कें तत्काल आर्थिक सहायता स्वरूप प्रति बाल श्रमिक 3 हजार टाका देल जाइत अछि।

पुनर्वासक व्यवस्था

बाल कल्याण समिति द्वारा बाल श्रमिक सभ कें पुनर्वास लेल आवश्यक सहायता उपलब्ध कराओल जाइत अछि। बाल आ किशोर श्रम (प्रतिषेध आ विनियमन) अधिनियम, 1986 केर अंतर्गत मुक्त कराओल गेल 14 बरख सं कम उमेरक बाल श्रमिक सभ कें पुनर्वास लेल मुख्यमंत्री राहति कोष सं 25 हजार टाकाक अनुदान देल जाइत अछि।

किशोर सभ लेल सेहो प्रावधान

हाल मे 14 सं 18 वर्षक बीचक ओहि किशोर सभ कें सेहो, जिनकर विवरण चाइल्ड लेबर ट्रैकिंग सिस्टम मे दर्ज अछि, मुक्त कराओल गेल बाल श्रमिकसभक समान मुख्यमंत्री राहति कोष सं 25 हजार टाकाक अनुदान देल जाएत। बाल श्रमक विरुद्ध कारबाइ लेल छापेमारी अभियान आगू सेहो जारी रहत। श्रम अधीक्षक, मधुबनीक नेतृत्व मे धावा दल संचालन लेल श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी अश्विनी राज (जयनगर), चंदन गुप्ता (झंझारपुर), हितेश भार्गव (खजौली), हामिद गफूर (बिस्फी), अभिषेक कुमार (पंडौल), अमित कुमार (अंधराठाढ़ी), वसंत कुमार (खुटौना) आ रौशन कुमार (रहिका) सहित गैर-सरकारी संस्था (एनजीओ) केर प्रतिनिधि सेहो शामिल छलाह। श्रम अधीक्षक रतीश कुमार कहलनि जे बाल श्रमक विरुद्ध अभियान आगू सेहो निरंतर जारी रहत। मुक्त कराओल गेल बाल आ किशोर श्रमिकसभक पुनर्वास लेल सरकार द्वारा निर्धारित प्रावधानक अनुसार आवश्यक कारबाइ कएल जाएत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मखान अनुसंधान केंद्र में हिंदी कार्यशाला, साहित्य सं संवेदना आ विज्ञान सं समाधान पर जोर

Next

जिलास्तरीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिता-2026 केर भव्य शुभारंभ

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech