Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

जिलास्तरीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिता-2026 केर भव्य शुभारंभ

Avatar
By Samadiya Mithila
October 1, 2026 2 Min Read
0

 

मधुबनी, समदिया

बिहार राज्य खेल प्राधिकरण, पटना, खेल विभाग आ जिला प्रशासन, मधुबनीक संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित मधुबनी जिला स्तरीय विद्यालय खेलकूद प्रतियोगिता-2026 केर भव्य शुभारंभ मंगलदिन पंडौल उच्च विद्यालयक प्रांगण मे भेल। प्रतियोगिताक उद्घाटन उप विकास आयुक्त, मधुबनी, जिला कला, संस्कृति सह खेल पदाधिकारी, आर.एन. कॉलेज पंडौल केर खेल प्रभारी सरिता कुमारी आ राष्ट्रीय पुरस्कार सं सम्मानित शिक्षिका मीनाक्षी कुमारी द्वारा दीप प्रज्वलित कए कएल गेल।

उद्घाटन समारोहक आरंभ मे जिला खेल पदाधिकारी नीतीश कुमार उपस्थित अतिथि, खेल पदाधिकारी, शिक्षक, प्रशिक्षक आ विभिन्न विद्यालय सं आएल खिलाड़ीसभक स्वागत कएलनि। ओ कहलनि जे विद्यालय स्तर पर आयोजित खेल प्रतियोगिता बच्चासभक खेल प्रतिभा कें चिन्हित करबाक आ ओकरा आगू बढ़ेबाक महत्वपूर्ण माध्यम अछि। जिलाक विभिन्न विद्यालय सं पैघ संख्या मे खेलाड़ीक सहभागिता सं स्पष्ट अछि जे मधुबनी मे खेल प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि। ओ सभ प्रतिभागी कें अनुशासन आ खेल भावना सं प्रतियोगिता मे भाग लेबाक आ अपन प्रतिभाक नीक प्रदर्शन करबाक लेल प्रेरित कएलनि।

उप विकास आयुक्त कहलनि जे बच्चा सभ मे खेलक प्रति रुचि, अनुशासन आ प्रतिस्पर्धाक भावना विद्यालय स्तर सं विकसित करबाक आवश्यकता अछि। लक्ष्य जिला वा राज्य स्तर धरि सीमित नहि रहि एशियाई खेल आ ओलंपिक मे देशक प्रतिनिधित्व करब होयबाक चाही। खेल सं शारीरिक आ मानसिक विकासक संग आत्मविश्वास, नेतृत्व क्षमता आ टीम भावना सेहो विकसित होइत अछि।

जिला खेल पदाधिकारीक अनुसार प्रतियोगिता 1 सं 3 अक्टूबर धरि विभिन्न खेल मैदान, खेल भवन, नगर भवन, राजनगर प्लस टू उच्च विद्यालय आ माउंट कार्मेल विद्यालय, जयनगर सहित विभिन्न स्थल पर आयोजित भए रहल अछि। एहि मे 100 सं बेसी सरकारी आ निजी विद्यालयक करीब 3 हजार खेलाड़ी अंडर-14, अंडर-17 आ अंडर-19 आयु वर्ग मे कुल 15 खेल विधा मे सहभागी भए रहल छथि।

उत्कृष्ट प्रदर्शन कएनिहार चयनित खेलाड़ी दरभंगा मे आयोजित प्रमंडल स्तरीय प्रतियोगिता मे मधुबनीक प्रतिनिधित्व करताह। कार्यक्रमक अंत मे गुब्बारा उड़ाओल गेल आ हरियर झंडी देखाकए प्रतियोगिताक विधिवत शुभारंभ कएल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

कोनो परिस्थिति मे बाल श्रम सहन नहि होयत : जिलाधिकारी

Next

दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ पटनाक पता पर अफगानी आ बांग्लादेशी नागरिक बनबौलक पासपोर्ट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान
  • 20 नवंबर कें बिहार आबि सकैत छथि पीएम मोदी: भागलपुर कें भेटि सकैत अछि पैघ सनेश 

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech