आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य खतरा प्रबंधन पर आशा कार्यकर्ताक प्रशिक्षण
- आपदा पूर्व तैयारी, प्रत्युत्तर, पुनर्स्थापन आ जल-स्वच्छता पर देल गेल जानकारी
सीतामढ़ी, समदिया
स्वास्थ्य विभाग आ आपदा विभाग, सीतामढ़ीक संग रिलायंस फाउंडेशन आ अदिथीक संयुक्त तत्वावधान मे सामुदायिक स्वास्थ्य केंद्र, सुरसंड मे आशा कार्यकर्तासभक लेल आपातकालीन स्थिति मे जनस्वास्थ्य जोखिम प्रबंधन, आपदा पूर्व तैयारी, प्रत्युत्तर एवं पुनर्स्थापन तथा जल आ स्वच्छता विषय पर प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। एहि अवसर पर प्रखंड स्वास्थ्य प्रबंधक मो. शदरुदीन स्वच्छता आ आरोग्य पर चर्चा करैत कहलनि जे आपदा जकां आपातकालीन स्थिति सं निपटबाक लेल स्वास्थ्य विभागक टीम सदिखन तैयार अछि। ओ जनस्वास्थ्य कार्यक्रमक माध्यम सं विभिन्न गाम मे प्रचार-प्रसार कए लोककें जागरूक करबाक सुझाव देलनि। प्रखंड सामुदायिक उत्प्रेरक कृष्णनंदन कुमार सरकार द्वारा संचालित विभिन्न जनकल्याणकारी योजनाक संबंध मे विस्तार सं जानकारी देलनि। मुख्य प्रशिक्षक आ रिलायंस फाउंडेशनक राज्य कार्यक्रम समन्वयक सूरज कुमार वाटर, सेनिटेशन आ हाइजीनक महत्वपूर्ण पक्ष पर विस्तार सं चर्चा केंलनि। ओ जलजनित रोगक रोकथाम, स्वच्छता आ आरोग्यक महत्व बुझबैत हाथ धोबाक सही तरीका आ विभिन्न चरणक जानकारी देलनि। संगहि ब्लीचिंग पाउडर आ हेलोजन टैबलेटकें सही मात्रा आ सुरक्षित तरीका सं उपयोग करबाक बारे मे सेहो प्रशिक्षण देल गेल। सह प्रशिक्षक पायल कुमारी आ काजल कुमारी मासिक धर्मक दौरान स्वच्छता रखबाक तरीका आ एहि सं जुड़ल जरूरी सावधानीक संबंध मे आशा कार्यकर्ताकें जानकारी देलनि। प्रशिक्षणक दौरान तकनीकी शब्दक उपयोग करैत स्थानीय भाषा मे विषयकें सहज ढंग सं बुझाओल गेल। प्रशिक्षुसभकें अलग-अलग समूह मे बांटि जनस्वास्थ्य आ आपदा प्रबंधन सं जुड़ल विषय पर प्रस्तुति देबाक अवसर सेहो देल गेल। एहि गतिविधिक माध्यम सं आशा कार्यकर्तासभकें आपातकालीन परिस्थिति मे समुदायकें सहयोग करबाक, जोखिमक पहचान करबाक आ लोककें आवश्यक सावधानी लेल जागरूक करबाक व्यवहारिक जानकारी भेटल। प्रशिक्षणक उद्देश्य आशा कार्यकर्ताकें आपदा पूर्व तैयारी सं लए कए आपातकालीन स्थिति मे प्रभावी प्रत्युत्तर आ बादक पुनर्स्थापन धरि जनस्वास्थ्यक जोखिमकें नीक ढंग सं प्रबंधित करबाक लेल सक्षम बनौनाइ छल।