Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब

Avatar
By Samadiya Mithila
November 9, 2026 3 Min Read
0

पटना, समदिया

दीपावलीक बाद राज्यक विभिन्न शहर सभ मे वायुप्रदूषणक स्तर बढ़ि गेल अछि। पटाखा फोड़बाक असरि आब हवा मे देखाइ पड़ि रहल अछि। राज्यक प्रदूषण नियंत्रण पर्षदक 9 नवंबरक भोरे 8 बजे धरिक आंकड़ा अनुसार, बिहारक 27 जिलाक वायु गुणवत्ता सूचकांक (एक्यूआइ) बढ़ल दर्ज कयल गेल। एहि मे 12 जिला ऑरेंज अलर्ट आ 15 जिला येलो अलर्ट श्रेणी मे अछि। राहतिक बात ई जे कोनो जिला मे एखन रेड अलर्ट जारी नहि कयल गेल अछि। मुदा हाजीपुर, सिवान आ पटना सन शहरक स्थिति चिंता बढ़ाबय बला अछि।

प्रदूषण नियंत्रण पर्षदक आंकड़ा अनुसार, वैशाली जिलाक हाजीपुर मे एक्यूआइ 287 दर्ज कयल गेल, जे राज्य मे सर्वाधिक अछि। सिवान 275 आ राजधानी पटना 274 अंकक संग दोसर आ तेसर स्थान पर अछि। समस्तीपुरक मोहिउद्दीननगर मे 271, मुजफ्फरपुर मे 261, बेगूसराय मे 245, आरा मे 235, मोतिहारी मे 223, बक्सर आ औरंगाबाद मे 213 तथा बेतिया मे 209 एक्यूआइ दर्ज कयल गेल। गोपालगंज मे ई आंकड़ा 206 रहल।

दोसर शहरसभक स्थिति सेहो बहुत नीक नहि अछि। भागलपुर मे 199, मधुबनी मे 184, अररिया मे 183, राजगीर मे 173, दरभंगा मे 171, समस्तीपुर मे 170, जमुई मे 168, गया मे 167, बिहारशरीफ मे 161, पूर्णिया मे 147, छपरा मे 140, कटिहार मे 137, सहरसा मे 132, सीतामढ़ी मे 121 आ सासाराम मे 119 एक्यूआइ दर्ज कयल गेल। ई आंकड़ा स्पष्ट करैत अछि जे प्रदूषणक असरि मात्र पैघ शहर धरि सीमित नहि, बल्कि राज्यक अलग-अलग इलाका मे देखल जा रहल अछि।

स्वास्थ्य पर पड़ि सकैत अछि गंभीर असरि

एक्यूआइ बढ़बाक सीधा असरि लोकक स्वास्थ्य पर पड़ैत अछि। हवा मे उपलब्ध पीएम 2.5 आ पीएम 10 सन सूक्ष्म कण सांसक माध्यम सं फेफड़ा धरि पहुंचैत अछि। पीएम 2.5 एतेक छोट होइत अछि जे फेफड़ाक गहींर हिस्सा धरि पहुंचि रक्त प्रवाह मे सेहो प्रवेश कए सकैत अछि। एहि कारण आंखि, नाक आ गला मे जलन, खांसी, सांस लेबा मे कठिनाइ, छाती मे भारीपन आ माथदर्द सन समस्या भए सकैत अछि।

बच्चा, बुजुर्ग, गर्भवती महिला आ दमा, हृदय रोग तथा फेफड़ाक बेमारी सं पीड़ित लोक सभ पर एकर असरि बेसी पड़ि सकैत अछि। प्रदूषित हवा दमा आ ब्रोंकाइटिसक समस्या बढ़ा सकैत अछि। लंबा समय धरि प्रदूषणक संपर्क मे रहला सं फेफड़ा आ हृदय संबंधी बेमारीक खतरा सेहो बढ़ैत अछि। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालयक स्वास्थ्य परामर्श मे सेहो एहि तरहक खतरा सभक उल्लेख कयल गेल अछि।

सावधानी राखबाक आवश्यकता

विशेषज्ञक सलाह अछि जे प्रदूषण बढ़ल रहबाक समय अनावश्यक रूप सं बाहर निकलनाइ कम करी। भोरे आ सांझक समय, जखन प्रदूषणक असरि बेसी रहि सकैत अछि, बाहर व्यायाम अथवा दौड़-धूप करबा सं बांची। बच्चा आ बुजुर्ग कें सड़कक कात आ धुआं-धूरा बला स्थान पर बेसी समय नहि रहय दी। दमा आ हृदय रोगी अपन दवाइ नियमित रूप सं लेथि तथा सांस लेबा मे कठिनाइ वा छाती मे दर्द होय तं चिकित्सक सं तुरंत संपर्क करथि।

वायु गुणवत्ता सूचकांक 201 सं 300 तक रहला पर हवा खराब, 301 सं 400 तक बहुत खराब आ 401 सं 500 तक गंभीर श्रेणी मे मानल जाइत अछि। एहि स्थिति मे प्रशासनिक सतर्कताक संग आम लोकक सावधानी सेहो जरूरी अछि। पटाखा, वाहनक धुआं, निर्माण कार्यक धूरा आ कचरा जरेबाक प्रवृत्ति पर नियंत्रण कएला सं वायु प्रदूषण कम करबाक दिशा मे प्रभावी डेग उठाओल जा सकैत अछि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

दीपावली प्रदूषणपटना प्रदूषणबिहार AQIबिहार वायु प्रदूषणबिहार समाचारमुजफ्फरपुर प्रदूषणवायु गुणवत्तासिवान AQIस्वास्थ्य समाचारहाजीपुर AQI
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech