Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान

Avatar
By Samadiya Mithila
November 9, 2026 2 Min Read
0

बेनीपट्टी/बिस्फी, समदिया

मधुबनी जिलाक बिस्फी प्रखंड मे दीपावलीक दिन तखन सनसनी पसरि गेल, जखन पतौना थाना क्षेत्रक जफरा पंचायत भवन लग बोरा मे बंद एक युवकक शव भेटल। शव भेटबाक खबरि पसरिते इलाका मे हड़कंप मचि गेल। घटनास्थल पर स्थानीय लोक सभक भारी भीड़ जुटि गेल। मृतकक पहिचान बिस्फी थाना क्षेत्रक सिमरी गामक सोनमा टोल निवासी विकास यादवक रूप मे भेल अछि। युवकक संदिग्ध परिस्थिति मे भेल मृत्यु सं पूरा इलाका मे तरह-तरह केर चर्चा शुरू भए गेल अछि। भेटल जानकारीक अनुसार, विकास यादव शनिदिन सांझ अपन दोस्त मनीष कुमार चौपालक संग घर सं कतहु निकलल छल। तकर बाद ओ वापस नहि घुरल। परिजन ओकर खोजबीन मे लागल छलाह आ बहुत चिंतित छलाह। एहि बीच रवि दिन सांझ जफरा पंचायत भवन लग बोरा मे बंद एकटा शव भेटबाक सूचना भेटल। घटनास्थल पर पहुंचल स्थानीय लोक सभ शवक पहिचान विकास यादवक रूप मे कयलनि। तकर बाद मृतकक परिजन आ गामक लोक कें घटना संबंधी सूचना देल गेल।

सूचना भेटिते पतौना थाना पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ छानबीन शुरू कयलक। पुलिस शव कें अपन कब्जा मे लए’ पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल, मधुबनी पठा देलक। घटनास्थल सं साक्ष्य जुटेबाक लेल एफएसएल टीम कें सेहो बजाओल गेल। एहि बीच, सोमदिन भोर मे पोस्टमार्टमक बाद मृतकक शव गाम पहुंचिते परिजन आ स्थानीय लोक सभक आक्रोश भड़कि उठल। आक्रोशित परिजन आ ग्रामीण सिमरी चौक पर शव राखि मुख्य सड़क जाम कए देलनि। एहि दौरान लोक सभ सरकार आ पुलिस प्रशासनक विरुद्ध नारा लगबैत घटना मे संलिप्त आरोपित सभक गिरफ्तारीक मांग कयलनि। सड़क जामक सूचना पर बिस्फी थानाध्यक्ष इंस्पेक्टर अविनाश कुमार, पतौना थानाध्यक्ष अनुराग कुमार आ औंसी थानाध्यक्ष आदित्य कुमार पुलिस बलक संग पहुंचलाह। अधिकारी सभ आक्रोशित लोक कें बुझा कए जाम हटेबाक प्रयास कयलनि, मुदा प्रदर्शनकारी अपन मांग पर अड़ल रहलाह।

बाद मे बेनीपट्टीक डीएसपी अमित कुमार आ सर्किल इंस्पेक्टर अखिलेश कुमार सेहो ओतय पहुंचलाह। दुनू अधिकारी लोक सभ कें समझा-बुझा कए शांत करौलनि, तकर बाद सड़क जाम समाप्त भेल। जाम समाप्त भेलाक बाद पुलिस मृतकक दोस्त मनीष कुमार चौपालक घर पहुंचल। बताओल जाइत अछि जे पुलिसक पहुंचबाक पहिनहि मनीष आ ओकर परिजन घर छोड़ि फरार भए गेल छलाह। पुलिस कें ओकर घर मे खूनक निशान भेटल। घर मे बिखरल खूनक अतिरिक्त किछु साड़ी आ मैट पर सेहो खूनक धब्बा पाओल गेल। एहि परिस्थिति कें देखैत पुलिस मामिला कें गंभीरता सं लैत जांच तेज कए देने अछि।

एहि संबंध मे डीएसपी अमित कुमार कहलनि जे पुलिस घटनाक सभ पहलू पर गंभीरतापूर्वक जांच कए रहल अछि। घटनाक उद्भेदन आ एहि मे संलिप्त लोक सभक गिरफ्तारी लेल एसआईटीक गठन कयल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

एसआईटी जांचजफरा पंचायतबिस्फी हत्याकांडबिहार क्राइम न्यूजबेनीपट्टी समाचारमधुबनी अपराधमधुबनी पुलिसयुवकक हत्याविकास यादवसिमरी गाम
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech