गयाजी मे 25 सितंबर सं शुरू होयत पितृपक्ष मेला, श्रद्धालु सभक लेल बनि रहल 2500 बेड बला टेंट सिटी
्र
पटना। गयाजी मे विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला एहि वर्ष 25 सितंबर सं शुरू भए 10 अक्टूबर धरि चलत। मेला मे आबय बला श्रद्धालु सभक आवासन लेल बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम दिस सं 2500 बेड क्षमताक टेंट सिटी आ अस्थायी पर्यटक सूचना केंद्रक निर्माण कराओल जा रहल अछि।
श्रद्धालु सभक लेल विशेष हेल्पलाइन सेहो तैयार कएल जा रहल अछि, जतय सभ जरूरी जानकारी भेटत। एकर संग फल्गु नदीक तट पर महाआरतीक आयोजन कएल जायत। जरूरतमंद श्रद्धालु सभक सुविधा लेल ई-रिक्शाक संचालन सेहो कएल जायत।
पर्यटन सचिव लोकेश कुमार सिंह मंगलदिन पितृपक्ष मेला सभक तैयारी कें लए विभागीय अधिकारी सभ कें जरूरी दिशा-निर्देश देलनि। सभ काज समय पर पूरा करबाक जिम्मेदारी अधिकारी सभ कें देल गेल अछि।
सचिव कहलनि जे पर्यटक आ श्रद्धालु सभक सहायता लेल पर्यटक सूचना केंद्रक संग गाइडक सेहो प्रतिनियुक्ति कएल जायत। प्रमुख धार्मिक आ पर्यटन स्थल सभ पर तोरण द्वार लगाओल जायत। पितृपक्षक संबंध मे सभ जरूरी जानकारी बला ब्रोशर सेहो उपलब्ध कराओल जायत।
बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम दिस सं श्रद्धालु सभक सुविधा लेल यात्रा पैकेज आ ई-पिंडदानक व्यवस्था सेहो कएल जा रहल अछि।
सचिव कहलनि जे काशी विश्वनाथ कॉरिडोरक तर्ज पर विष्णुपद मंदिरक चारूकात विश्वस्तरीय कॉरिडोर निर्माण करबाक प्रस्ताव अछि। पर्यटक सभक सुविधा लेल 120 करोड़ टकाक लागत सं एक हजार बेड वाली आधुनिक गयाजी धर्मशालाक निर्माण सेहो कराओल जा रहल अछि।
धर्मशाला बनलाक बाद पितृपक्ष मेला सहित वर्षभरि गया आबय बला श्रद्धालु सभ कें गुणवत्तापूर्ण आवासीय सुविधा उपलब्ध होयत।
एकर अतिरिक्त मुख्यमंत्री होमस्टे प्रोत्साहन योजना मे गया जिलाक विष्णुपद मंदिर, महाबोधि मंदिर, डुंगेश्वरी मंदिर आ गुरपा पहाड़ी कें शामिल कएल गेल अछि। एहि योजनाक अंतर्गत पात्र लाभार्थी सभ कें 11 लाख टका धरि वित्तीय सहायता देल जायत।