राज्य मे भारी बरखाक अलर्ट, मुख्य सचिव कयलनि उच्चस्तरीय बैठक
17 जिला पर विशेष नजरि
पटना। बिहार मे भारी बरखाक संभावना कें देखैत विशेष सतर्कता बरतल जा रहल अछि। नेपालक तराइ इलाका मे गंडक नदीक कैचमेंट एरिया मे भए रहल भारी बरखाक मद्देनजर बिहार सरकार प्रशासन कें अलर्ट मोड मे रहबाक निर्देश देने अछि। संभावित परिस्थिति कें देखैत सीमावर्ती गंडक, बागमती आ कोसी नदी प्रणाली सं जुड़ल संवेदनशील जिला सभ मे विशेष सतर्कता बरतबाक निर्देश देल गेल अछि। एकर संग जरूरी तैयारी सभ सुनिश्चित करबाक लेल कहल गेल अछि।
वर्तमान स्थिति कें देखैत आपदा प्रबंधन विभाग मे मुख्य सचिव प्रत्यय अमृतक अध्यक्षता मे उच्चस्तरीय समीक्षा बैठक आयोजित कयल गेल। बैठक मे आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव संतोष कुमार मल्ल, जल संसाधन विभागक सचिव डॉ. चंद्रशेखर सिंह सहित सीतामढ़ी, पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, शिवहर, वैशाली, गोपालगंज, सारण, मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, कटिहार, खगड़िया आ बेगूसराय जिलाक जिलाधिकारी वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं शामिल भेलाह। अन्य अधिकारी सभ सेहो बैठक मे उपस्थित छलाह।
17 जिला मे विशेष निगरानीक निर्देश
बरखाक स्थिति के देखैत सीतामढ़ी, पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, शिवहर, वैशाली, गोपालगंज, सारण, मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, कटिहार, खगड़िया आ बेगूसराय सहित अन्य संवेदनशील इलाका सभ मे विशेष निगरानी रखबाक निर्देश देल गेल अछि।
जिला प्रशासनके नदीक जलस्तर आ जलप्रवाह, निचला इलाका, तटबंध, नदी किनार बसल गाम, पुल-पुलिया आ संपर्क मार्ग सभक लगातार निगरानी करबाक लेल कहल गेल अछि।
कोसी नदीक जलस्तर मे गिरावट दर्ज कयल गेल अछि। एहि बावजूद कोसी नदीक आसपास स्थित जिला सभकें सतर्कता बरतबाक निर्देश देल गेल अछि।
एनडीआरएफ आ एसडीआरएफ कें अलर्ट रहबाक निर्देश
संभावित परिस्थिति सं प्रभावी ढंग सं निपटबाक लेल राष्ट्रीय आपदा मोचन बल (एनडीआरएफ) आ राज्य आपदा मोचन बल (एसडीआरएफ) के सतर्क रहबाक निर्देश देल गेल अछि।
एकर संग सभ संबंधित जिला मे नाव, लाइफ जैकेट, बचाव उपकरण आ अन्य जरूरी संसाधन पर्याप्त संख्या मे तैयार आ उपलब्ध रखबाक निर्देश देल गेल अछि।
संभावित रूप सं प्रभावित होमय बला इलाका सभ मे माइकिंग कए पहिने सं लोक सभके सतर्क करबाक आ आवश्यकता पड़ला पर प्रभावित आबादीके समय रहैत सुरक्षित स्थान पर पहुंचेबाक निर्देश देल गेल अछि।
जिला प्रशासन, पुलिस, जल संसाधन विभाग, आपदा प्रबंधन विभाग आ अन्य संबंधित विभाग सभक बीच निरंतर समन्वय आ संचार बनौने रखबाक निर्देश देल गेल अछि।
सभ उपलब्ध संसाधनकें तैयार आ सक्रिय स्थिति मे राखल जा रहल अछि, जाहि सं जरूरत पड़ला पर बचाव आ राहति काज तत्काल शुरू कयल जा सकय। राज्य सरकार पूरा स्थिति पर लगातार नजरि रखने अछि।
मुख्य सचिव बैठक मे उपस्थित सभ जिलाधिकारी सभके निर्देश देलनि जे नियमित प्रेस कॉन्फ्रेंसक माध्यम सं जनप्रतिनिधि आ आम लोक कें जागरूक करैत रहथि।
ओ कहलनि जे वर्तमान स्थिति के लए कोनो प्रकारक अफवाह अथवा घबराहटक जरूरत नहि अछि। प्रशासन पूरा तरहे सतर्क अछि। आवश्यक बचाव आ राहति संसाधन सभके पहिनहि संवेदनशील इलाका सभ मे तैनात कयल जा रहल अछि।
कोनो आपातकालीन सहायता लेल आपदा प्रबंधन विभागक टोल फ्री नंबर 1070 पर संपर्क कयल जा सकैत अछि।