Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

राज्यस्तरीय कुश्ती प्रतियोगिता मे सहरसाक पहलवान सभ जीतलनि 12 पदक

Avatar
By Samadiya Mithila
October 17, 2026 1 Min Read
0

 

  • पिछला वर्षक 10 पदकक रेकॉर्ड तोड़ि खेलाड़ी सब स्थापित कयलनि नव कीर्तिमान

 

सहरसा, समदिया

कैमूर मे बिहार राज्य खेल प्राधिकरण, पटनाक संग संबंधित आयोजकसभक संयुक्त तत्वावधान मे 13 सं 16 अक्टूबर धरि आयोजित राज्यस्तरीय भेद प्रमंडल विद्यालय कुश्ती प्रतियोगिता मे कोशी प्रमंडलक पहलवान सभ शानदार प्रदर्शन करैत कुल 12 पदक जीतलनि। एहि मे स्वर्ण, रजत आ कांस्य पदक शामिल अछि। खेलाड़ीसब पिछला वर्षक 10 पदकक रेकॉर्ड के पछाड़ैत नव कीर्तिमान स्थापित कयलनि।

 

प्रतियोगिताक दोसर दिन ग्रीकोरोमन अंडर-19 के 83 किलोग्राम भार वर्ग मे प्रणव कुमार स्वर्ण पदक जीतलनि। ओतहि अभिनव कुमार (फ्रीस्टाइल, अंडर-17, 65 किलोग्राम), शिवम राज (ग्रीकोरोमन, अंडर-19, 67 किलोग्राम), देवाशीष सिंह (ग्रीकोरोमन, अंडर-19, 61 किलोग्राम), अमित कुमार (फ्रीस्टाइल, 85 किलोग्राम) आ शिवम कुमार (फ्रीस्टाइल, अंडर-14, 40 किलोग्राम) रजत पदक हासिल कयलनि। एकर अतिरिक्त प्रत्युष कुमार, सोनू कुमार, विभीषण कुमार, पियूष सौरभ, बमबम कुमार आ गणित कुमार अलग-अलग भार वर्ग मे कांस्य पदक जीतलनि। खेलाड़ीसबक एहि उपलब्धि सं जिलाक मान बढ़ल अछि। सहरसा कुश्ती संघक जिला सचिव हरेंद्र सिंह मेजर कहलनि जे ग्रामीण क्षेत्र सभ मे प्रतिभावान पहलवानसभक बढ़ैत संख्या के सकारात्मक परिणाम पदकक रूप मे देखबा लेल भेटि रहल अछि। ओ 13 बेर नेशनल कोच आ 35 बेर बिहार राज्य खेल प्राधिकरणक तकनीकी पदाधिकारी आ रेफरी रहि चुकल छथि। एहि उपलब्धि पर जिला खेल पदाधिकारी कुमारी तोसी सहित जिलाक विभिन्न खेल संघ सभ पदक विजेता खेलाड़ीसब आ हरेंद्र सिंह मेजर के बधाई देलनि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अपरंपार अछि 250 वर्ष पुरान जफरा भगवतीक महिमा

Next

मिथिला मे दुर्गोत्सवक धूम, सप्तमी पर खुजल पट, दर्शन लेल उमड़ल भीड़

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech