खगड़िया एसपीक पत्नी कहलनि, हमरा पीटल गेल, बेटी सेहो छीनि लेलनि
- पत्नी कहलनि, दोसर विवाह करबाक छनि इच्छा, तलाक लेल बना रहल छथि दबाव
-
गोली मारबाक धमकी देबाक सेहो लागल आरोप
खगड़िया, समदिया
खगड़िया जिलाक एसपी भानु प्रताप सिंह पर हुनकर पत्नी पूजा गंभीर आरोप लगौलनि अछि। पत्नीक आरोप अछि जे हुनकर 5 वर्षीय बेटी कें हुनका सं अलग कए देल गेल अछि। हुनकर दावा अछि जे हुनका गोली मारि देबाक धमकी देल जा रहल अछि आ तलाक लेल दबाव बनाओल जा रहल अछि, जाहि सं भानु प्रताप सिंह दोसर विवाह कए सकथि।
पूजाक कहब अछि जे ओ मानसिक रूप सं बहुत परेशान छथि आ बृहस्पतिक राति हुनका पटना सं खगड़िया एसपी आवास पर आनल गेल। हुनकर आरोप अछि जे ओतौ हुनका पीटल गेल आ एकटा कोठली मे बंद कए देल गेल। हुनकर अनुसार घर मे भोजनक सेहो कोनो व्यवस्था नहि अछि। ड्राइवर, रसोइया आ अंगरक्षक सभ कें छुट्टी दए देल गेल अछि आ हुनका असगर छोड़ि देल गेल अछि।
पूजाक आरोप अछि जे हुनका कहल जाइत अछि जे हम आइपीएस छी, हमर किछु नहि बिगड़ि सकैत अछि। हुनकर कहब अछि जे कतेको वरीय अधिकारी, डीआइजी आ आइजी सेहो हुनकर पति सभक पक्ष मे छथि। ओ कहलनि जे हुनका अपन बेटी सं भेंट करबाक अवसर नहि देल जा रहल अछि। पूजाक अनुसार भानु प्रताप सिंह हुनका सं प्रेम-विवाह केने छलाह। ओ कहलनि जे हुनका अपन पति सं किछु नहि चाही, मात्र अपन परिवार आ बेटी चाही। हुनकर कहब अछि जे बेटी मात्र 5 वर्षक अछि आ मां सं दूर रहि नहि पबैत अछि।
हम नहि चाहैत छी जे हुनकर नोकरी चलि जाय
पूजाक कहब अछि जे ओ अपन पतिक नोकरी छिनबाक पक्ष मे नहि छथि। हुनका मात्र अपन अधिकार, परिवार आ बेटी चाही। हुनकर आरोप अछि जे हुनका पागल साबित करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि आ बेटी कें कहल जा रहल अछि जे मां ओकरा जहर दए देत। पूजाक अनुसार हुनकर लगपास महिला पुलिसकर्मी कें तैनात कएल गेल अछि, जाहि सं ओ कोनो गलत डेग नहि उठा सकथि। हुनकर दावा अछि जे महिला पुलिसकर्मी सेहो वरीय अधिकारी सभक दबाव मे छथि।
खगड़िया पहुंचल छलीह एसपीक पत्नी
जानकारीक अनुसार एसपीक पत्नी 2 अगस्त कें अपन बेटी आ पति सं भेंट करबाक लेल खगड़िया पहुंचल छलथि। एसपी आवासक मुख्य द्वार पर तैनात सुरक्षाकर्मी हुनका भीतर जाए सं रोकि देलक। एहि पर ओ गेट पर बहुत देर धरि हंगामा कएलनि। सूचना भेटलाक बाद महिला पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ समझेला-बुझेलाक बाद हुनका सर्किट हाउस मे ठहराओल गेल। जानकारीक अनुसार पछिला दू दिन सं एसपी भानु प्रताप सिंह छुट्टी पर छथि। एहि मामिला मे हुनका सं फोन पर प्रतिक्रिया लेबाक प्रयास कएल गेल। फोन दोसर दिस सं अतिरिक्त एसपी उठौलनि आ कहलनि जे एसपी एखन छुट्टी पर छथि।