कृष्णा बमक पैर मे आइयो अछि ओहने तेजी
- 74 वर्षक उम्र मे फेर दौड़ल बोल बमक जुनून
भागलपुर, प्रदीप विद्रोही
उम्र 74 वर्ष पार कए चुकल अछि आ ठेहुन कतेको बेर विश्रामक संकेत देने अछि, मुदा कृष्णा बम लेल महादेवक बाट मे ठहरब आइयो स्वीकार्य नहि अछि। साओन अबिते सुलतानगंजक उत्तरवाहिनी गंगा आ बाबाधामक बीच फेर ओहि परिचित नामक चर्चा शुरू भए गेल अछि, जे सुनिते कांवरिया पथ पर श्रद्धाक संग उत्साह सेहो बढ़ि जाइत अछि – कृष्णा बम।
ओ कहैत छथि जे जाधरि सांस अछि, भोलेनाथक लग जाइत रहब। एहि यात्रा मे सैकड़ो डाक बम कृष्णा बमक संग-संग चलि रहल छथि।
मुजफ्फरपुर निवासी कृष्णा बम रविदिन सुलतानगंज स्थित नमामि गंगे तट पर श्रद्धापूर्वक स्नान केलनि। संकल्प लेलनि आ कांवर मे गंगाजल भरि डाक बमक रूप मे बाबा वैद्यनाथ धाम दिस चलि पड़लनि। स्वास्थ्य संबंधी कारण सं पछिला किछु वर्ष हुनकर यात्रा मे विराम जरूर आएल, मुदा एहि सं हुनकर आस्थाक दीप नहि बुझल।
कृष्णा बम वर्ष 1982 सं सुलतानगंज सं देवघरक यात्रा करैत आबि रहल छथि। ओ कहैत छथि जे ओहि समय हम अभाव मे छलहुं। सुलतानगंज आबि धरि जेबाक लेल पाइक अभाव छल। बाबा हमरा बजौलनि आ हम दौड़ि पड़लहुं। पहिल यात्राक समय मात्र चारि डाक बम हुनकर संग चलल छलाह। वर्ष 1983 सं 2022 धरि ओ डाक बमक रूप मे बाबा बैद्यनाथक जलाभिषेक करैत रहलाह। घुटनाक समस्याक कारण बादक यात्रा रुकि गेल। आब फेर बाबाक बजौना आएल अछि आ ओ यात्रा पर निकलि पड़ल छथि।
कृष्णा बमक जीवन मात्र कांवर यात्रा धरि सीमित नहि अछि। वैशाली मे जन्मल आ विवाहक बाद मुजफ्फरपुरक चकवासु मे रहनिहार कृष्णा बम विवाहक बाद सेहो पढ़ाइ जारी रखलनि। 1967 मे मैट्रिक पास कए राजनीति विज्ञान मे स्नातकक डिग्री हासिल केलनि। बाद मे सरकारी शिक्षिका बनलीह आ 2013 मे प्रधानाध्यापिकाक पद सं सेवानिवृत्त भेलीह।
4500 किलोमीटर पैदल चलि कैलाश धरि यात्रा
वर्ष 1988 मे कृष्णा बम हरिद्वार सं देवघर धरि करीब एक मासक पैदल यात्रा केलनि। ओकर अगिला वर्ष 1989 मे पुत्र मुकेश कुमारक संग गंगोत्री सं रामेश्वरम धरि करीब 4500 किलोमीटरक पैदल यात्रा मात्र 85 दिन मे पूरा केलनि।
वर्ष 2014 मे ओ कैलाश मानसरोवरक यात्रा पर गेलीह। 2019 मे पाकिस्तान स्थित ऐतिहासिक कटासराज शिव मंदिर पहुंचि भगवान शिवक जलाभिषेक सेहो केलनि।
उम्र आ स्वास्थ्य संबंधी समस्याक कारण 2025 मे ओ देवघरक कठिन डाक कांवर यात्रा सं विराम लेने छलीह। एकर बदला मध्य प्रदेशक ओंकारेश्वर सं जल उठा कए उज्जैनक महाकालेश्वर धरि करीब 130 किलोमीटरक पदयात्रा चारि दिन मे पूरा केलनि।
कांवरिया पथ पर हुनकर सुरक्षा लेल विशेष व्यवस्था कएल गेल अछि। पुलिसकर्मी मानव शृंखला बना हुनकर गति आ यात्रा कें सुरक्षित रखबाक प्रयास कए रहल छथि। श्रद्धालु सभ हुनका देखबाक लेल सड़कक कात ठाढ़ रहैत छथि आ बोल बमक संग कृष्णा बमक जयघोष सेहो सुनाइ पड़ैत अछि।