Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बेनीपट्‌टी मे भीषण सड़क दुर्घटना, तीन महिलाक मृत्यु, सड़क जाम

Avatar
By Samadiya Mithila
August 9, 2026 3 Min Read
0

बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट

स्थानीय थाना क्षेत्रक जगदंबा पेट्रोल पंप सरिसबक समीप रविदिन भोर करीब साढ़े पांच सं छह बजेक बीच भीषण सड़क दुर्घटना भेल। एहि दुर्घटना मे मॉर्निंग वॉक करबाक लेल सड़कक कात सं दूर बैसल सात महिला मे सं तीन कें तेज गति सं आबि रहल अनियंत्रित स्कॉर्पियो वाहन कुचलि देलक। दुर्घटना मे तीनू महिलाक घटनास्थले मृत्यु भए गेल। ओतहि संग मे रहल अन्य महिला सभ अपन जान कोनो तरहें बचा लेलनि।

मृत महिला सबहक पहिचान अरेर थाना क्षेत्रक नवटोली वार्ड संख्या-14 निवासी राजू महतोक 42 वर्षीय पत्नी किरण देवी, पच्चू साहक 55 वर्षीय पत्नी रीता देवी आ स्वर्गीय अरुण झाक 72 वर्षीय पत्नी फूल दाई देवीक रूप मे भेल अछि।

प्राप्त जानकारीक अनुसार उक्त तीनू सहित छह-सात महिलाक समूह नवटोली सं मॉर्निंग वॉक करैत जगदंबा पेट्रोल पंप धरि पहुंचल छल। टहललाक बाद तीनू महिला सड़क सं दूर चिमनीक सामनेक कात मे बैसल छलथि। एहि बीच अरेर दिस सं बेनीपट्टी दिस तेज गति सं आबि रहल अनियंत्रित स्कॉर्पियो वाहन अनचोके सड़क सं उतरि गेल आ तीनू महिला कें अपन चपेट मे लए लेलक। दुर्घटना मे तीनू महिला गंभीर रूप सं घायल भए गेलीह आ घटनास्थले पर हुनकर मृत्यु भए गेल।

घटनाक बाद स्कॉर्पियोक चालक वाहन सहित बेनीपट्टीक दिस फरार भए गेल। किछु महिला सभ वाहन कें पकड़बाक प्रयास सेहो कएलनि,  मुदा ओ सभ बाल-बाल बचि गेलीह। दुर्घटनाक जानकारी भेटिते मॉर्निंग वॉक करैत रहल अन्य लोक सभ हल्ला करय लगलाह। किछु समय मे घटनास्थल पर लोकक भीड़ जुटि गेल। मृतकक परिजन आ थाना पुलिस कें घटनाक सूचना देल गेल।

सूचना भेटिते पर्यवेक्षकीय पदाधिकारी राज नंदन कुमार, एसएचओ इंस्पेक्टर अनूप कुमार, एसआई सूर्यबली यादव, अशोक कुमार, विवेक कुमार, प्रियंका कुमारी, राम कुमार सिंह, पीएसआई सुप्रिया कुमारी सहित पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचलाह आ आवश्यक कारबाइ मे जुटि गेलाह।

एहि बीच परिजन दू महिलाक शव लए कए घर चलि गेलाह। ओतहि आक्रोशित लोक सभ एकटा शव सड़क पर राखि स्कॉर्पियो वाहन जब्त करबाक आ चालक कें गिरफ्तार करबाक मांग करैत बेनीपट्टी-पुपरी मुख्य मार्ग जाम कए देलनि। सड़कक दुनू दिस वाहनक लंबा लाइन लागि गेल।

जामक सूचना पर बीडीओ महेश्वर पंडित, आरडीओ अकरम नजफी,  ईओ गौतम आनंद, सर्किल इंस्पेक्टर अखिलेश कुमार, अरेरक एसएचओ आनंद शंकर गौरव, पीएसआई अमित कुमार आ खिरहरक एसएचओ शुभम कुमार शर्मा पुलिस बलक संग घटनास्थल पर पहुंचलाह। उपस्थित पदाधिकारी सभ तथा पूर्व जिला परिषद सदस्य राजेश यादव, विधायक प्रतिनिधि जयसुंदर मिश्र, पंचायत समिति सदस्य चंदन ठाकुर आ शालिग्राम झा जामकर्त्ता आ मृतकक परिजन सं वार्ता कए जाम हटेबाक आग्रह कएलनि। मुदा आक्रोशित लोक सभक कहब छल जे एतेक समय बीति गेलाक बादो स्कॉर्पियो चालक कें किएक नहि पकड़ल गेल।

बहुत समझेला-बुझेलाक बाद करीब नौ बजे जाम हटाओल गेल। तकर बाद सड़क पर यातायात परिचालन सुचारु भेल आ यात्री लोकनि अपन-अपन गंतव्य दिस प्रस्थान केलनि। एहि बीच शव कें पोस्टमार्टम लेल पठेबाक संबंध मे पदाधिकारी आ मृतकक परिजनक बीच वार्ता जारी छल।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#Benipatti#BenipattiNews#BiharNews#BreakingNews#Madhubani#MadhubaniNews#MaithiliNews#RoadAccident#RoadAccidentNews#Sarishab
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

समदिया मिथिलाक संपादकीय प्रभारी सच्चिदानंद सच्चू कें भेटतनि लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech