Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिलाशिक्षासंस्कृति

शब्दांकुर 2027: युवा मैथिली कवि सभ लेल कविता प्रतियोगिता, पहिल पुरस्कार 11 हजार टका

Avatar
By Samadiya Mithila
November 10, 2026 2 Min Read
0

पटना :  जं अहां मैथिलीभाषी छी, युवा छी आ कविता लेखन मे रुचि रखैत छी, तं अहांक लेल ई एकटा नीक अवसर अछि। मैथिली भाषा, साहित्य आ सांस्कृतिक विरासत कें बढ़ावा देबाक उद्देश्य सं अष्टदल संस्थाक तत्त्वावधान मे ‘शब्दांकुर 2027’ युवा मैथिली कविता प्रतियोगिताक आयोजन कयल जा रहल अछि। एहि पहलक माध्यम सं युवा सभ कें अपन मातृभाषा मैथिली मे मौलिक कविता लिखबाक आ अपन सृजनात्मक प्रतिभा देखेबाक अवसर भेटतनि।

प्रतियोगिताक लेल पांच विषय निर्धारित कयल गेल अछि।

  1. हमर माटि, हमर पहिचान – अपन माटि, गाम, जड़ि आ सांस्कृतिक पहिचान सं जुड़ाव।
  2. हमर भाषा, हमर स्वर – मैथिली भाषा, अभिव्यक्ति आ भाषिक अस्मिता।
  3. प्रकृति आ जीवनक राग – प्रकृति, पर्यावरण आ जीवनक विविध रंग।
  4. स्मृति, संबंध आ अपनापन – जीवनक स्मृति, पारिवारिक संबंध आ आत्मीयता।
  5. नव सपना, नव समाज – युवासभक सपना, नव संभावना आ नीक समाजक परिकल्पना।

एहि विषय सभक माध्यम सं युवा रचनाकार अपन भाषा, संस्कृति, प्रकृति, संबंध आ भविष्यक प्रति अपन विचार कें कविताक रूप मे प्रस्तुत क’ सकताह।

प्रतियोगिता मे ओहि रचनाकार सभ कें भाग लेबाक अवसर भेटतनि, जिनकर आयु 31 दिसंबर 2026 धरि अधिकतम 35 वर्ष होयतनि। कविता मैथिली भाषा मे मौलिक आ अप्रकाशित होयबाक चाही। संगहि, कविता मे कम-सं-कम 30 शब्द रहब आवश्यक अछि।

प्रतियोगिताक विजेता सभ लेल पुरस्कार राशि सेहो निर्धारित कयल गेल अछि। पहिल पुरस्कार 11,000 टका, दोसर पुरस्कार 5,000 टका आ तेसर पुरस्कार 2,500 टका राखल गेल अछि। प्रतियोगिता मे भाग लेबाक लेल अपन प्रविष्टि जमा करबाक अंतिम तिथि 31 दिसंबर 2026 निर्धारित अछि।

पंजीकरण आ संपर्क

इच्छुक प्रतिभागी नीचा देल गेल लिंकक माध्यम सं ऑनलाइन पंजीकरण करा सकैत छथि।

  • पंजीकरण लिंक: https://forms.gle/HrqgVNivwM3SQbzs6
  • मोबाइल: +91 98011 90124
  • मोबाइल: +91 9930301199
  • ईमेल: ashtadalfoundation@gmail.com
  • वेबसाइट: https://ashtadal.org/

सोशल मीडिया पर जुड़ू

  • फेसबुक: https://www.facebook.com/AshtadalFoundation
  • इंस्टाग्राम: https://www.instagram.com/ashtadalfoundatio/
  • यूट्यूब: https://www.youtube.com/@AshtadalFoundation
  • एक्स (ट्विटर): https://x.com/ashtadal

अष्टदल संस्थाक ई पहल मैथिलीक नव पीढ़ीक प्रतिभा कें प्रोत्साहित करबाक, युवा रचनाकार सभ कें साहित्यिक अभिव्यक्तिक मंच देबाक आ भाषा-संस्कृतिक समृद्ध विरासत कें आगू बढ़ेबाक सराहनीय प्रयास अछि। एहि प्रतियोगिता सं युवा सभ अपन मातृभाषा मे सृजन करबाक लेल प्रेरित होयताह आ मैथिली साहित्यक नव अंकुर सभ कें विकसित होयबाक अवसर भेटतनि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अष्टदल फाउंडेशनकविता लेखन प्रतियोगितामैथिली कवितामैथिली कविता प्रतियोगितामैथिली भाषामैथिली संस्कृतिमैथिली साहित्ययुवा मैथिली कवियुवा रचनाकारशब्दांकुर 2027
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Recent News

  • शब्दांकुर 2027: युवा मैथिली कवि सभ लेल कविता प्रतियोगिता, पहिल पुरस्कार 11 हजार टका
  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • शब्दांकुर 2027: युवा मैथिली कवि सभ लेल कविता प्रतियोगिता, पहिल पुरस्कार 11 हजार टका
  • आजुक ई पेपर
  • मधुबनी: दीपावलीक दिन बोरा मे बंद भेटल युवकक शव, दोस्तक घर मे खूनक निशान
  • दीपावलीक बाद बिहारक हवा प्रदूषित, हाजीपुर-सिवानक स्थिति सभ सं खराब
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech