सुप्रिता शालिनी बनलीह एमएलएसएम कॉलेजक हिंदी विभागक नव अध्यक्ष
दरभंगा, समदिया
एम.एल.एस.एम. कॉलेज, दरभंगाक हिंदी विभागक नव विभागाध्यक्षक रूप मे डॉ. सुप्रिता शालिनी कें नियुक्त कएल गेल अछि। एहि संबंध मे महाविद्यालयक प्रधानाचार्य डॉ. शंभु कुमार यादव कार्यालय आदेश जारी कएलनि। तकर बाद ओ डॉ. शालिनी कें विधिवत हिंदी विभागक अध्यक्षीय आसन ग्रहण करौलनि।
डॉ. मीना कुमारी कें 29 अगस्त कें महाविद्यालय सं विरमित कएल गेलाक बाद हिंदी विभागक विभागाध्यक्षक जिम्मेवारी डॉ. सुप्रिता शालिनी कें सौंपल गेल अछि। एहि अवसर पर प्रधानाचार्य डॉ. यादव डॉ. शालिनी कें शुभकामना दैत आशा व्यक्त कएलनि जे ओ विभागाध्यक्षक दायित्वक निष्ठापूर्वक निर्वहन करैत विभागक शैक्षणिक गतिविधि कें आर नीक बनयबाक दिशा मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौत।
नवनियुक्त विभागाध्यक्ष डॉ. सुप्रिता शालिनी कें पदभार ग्रहण करबाक अवसर पर महाविद्यालयक बर्सर-सह-परीक्षा नियंत्रक डॉ. नंदकिशोर झा, संस्कृत विभागाध्यक्ष डॉ. विनय कुमार झा, गणित विभागाध्यक्ष डॉ. रंजन कुमार, समाजशास्त्र विभागाध्यक्ष डॉ. रणवीर कुमार, भूगोल विभागाध्यक्ष डॉ. विवेक कुमार, शिक्षक संघक अध्यक्ष डॉ. अंजीत कुमार चौधरी, डॉ. प्रभात कुमार, डॉ. मणिशंकर झा सहित अन्य शिक्षक सभ बधाई आ शुभकामना देलनि।