प्रो. हरिमोहन झाक जयंती पर ‘इजोत घरक अन्हार’क मंचन, स्त्री-विमर्श पर केंद्रित रहल नाटक
अमलेश आनंदक रिपोर्ट पटना : चेतना समितिक तत्वावधान मे मैथिलीक वरेण्य साहित्यकार प्रो. हरिमोहन झाक जयंती समारोहक आयोजन कएल गेल। समारोहक अध्यक्षता भारतीय प्रशासनिक सेवाक अवकाशप्राप्त अधिकारी आ मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार बच्चा ठाकुर कएलनि। ओ प्रो. हरिमोहन झाक…
विदेश्वर पुस्तकक लोकार्पण : मिथिलाक ऐतिहासिक-धार्मिक धरोहर पर भेल सार्थक विमर्श
मधुबनी : लेखकक निवास ‘सरस्वती सदन’, सरिसो पाही मे लेखक डा. अजय मिश्रक महत्वपूर्ण कृति ‘विदेश्वर’क लोकार्पण समारोह आत्मीय एवं साहित्यिक वातावरण मे संपन्न भेल। एहि अवसर पर डा. सदन मिश्र द्वारा पुस्तकक विधिवत् लोकार्पण कएल गेल। मैथिलक स्तरीय प्रकाशन लेल…
दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
दरभंगा, समदिया दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक मुरैठ गाम स्थित विद्यापति चौक पर मंगलदिन राति अज्ञात असामाजिक तत्व द्वारा महाकवि विद्यापतिक प्रतिमाक मस्तक तोड़ि देबाक घटना सोझां आयल अछि। बुधदिन भोर लोकक नजरि प्रतिमा पर पड़ल तं ओकर मस्तक क्षतिग्रस्त छल।…
मैथिली साहित्यक वरिष्ठ साधक डॉ. राजेन्द्र विमल नहि रहलाह
जनकपुरधाम, समदिया नेपाली आ मैथिली साहित्यक वरिष्ठ स्रष्टा, भाषाविद् आ शिक्षाविद् डा. राजेन्द्र विमल नहि रहलाह। 79 वर्षक उमेरमे मंगलदिन 11 अगस्त कें जनकपुरधामक प्रादेशिक अस्पताल मे हुनक निधन भेल। सोमदिन राति अचानक स्वास्थ्य खराब भेलाक बाद हुनका…
समदिया मिथिलाक संपादकीय प्रभारी सच्चिदानंद सच्चू कें भेटतनि लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026
‘जाल’ उपन्यास लेल सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत ई सम्मान नई दिल्ली, समदिया “लक्ष्मी-हरि स्मृति उपन्यास सम्मान 2026″ ‘जाल’ उपन्यास लेल मैथिलीक महत्त्वपूर्ण उपन्यासकार सच्चिदानंद सच्चू कें देल जायत। तीन सदस्यीय निर्णायक-मंडलक सर्वसम्मति सँ…