अमलेश आनंदक रिपोर्ट
पटना : चेतना समितिक तत्वावधान मे मैथिलीक वरेण्य साहित्यकार प्रो. हरिमोहन झाक जयंती समारोहक आयोजन कएल गेल। समारोहक अध्यक्षता भारतीय प्रशासनिक सेवाक अवकाशप्राप्त अधिकारी आ मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार बच्चा ठाकुर कएलनि। ओ प्रो. हरिमोहन झाक साहित्यिक कृतित्व पर प्रकाश दैत हुनका महान लेखक आ समाज-सुधारक बतौलनि।
चेतना समितिक अध्यक्ष विवेकानंद झा प्रो. हरिमोहन झाक साहित्यिक योगदानक संग हुनकर जीवनक विभिन्न पक्ष पर प्रकाश देलनि। ओ कहलनि जे साहित्यक माध्यम सं समाज कें आगू बढ़ेबाक उद्देश्य सं प्रो. झा अपन रचना मे स्त्री-विमर्श कें प्रमुखता देने छलाह।
डॉ. रामानंद झा ‘रमण’ प्रो. हरिमोहन झाक जयंतीक अवसर पर ‘इजोत घरक अन्हार’ नाटक कें हुनकर स्त्री-विमर्श सं जोड़ैत कहलनि जे परिवार मे सभ किछु होइतो स्त्रीक अशिक्षित रहब अन्हारक समान अछि। समारोह मे गंगानाथ झा ‘गंगेश’, प्रो. शैलेंद्र कुमार झा, उमेश मिश्र, शिशिर चंद्र मिश्र, डॉ. प्रेमलता मिश्र, प्रेम जयदेव मिश्र, किशोर कुमार चौधरी, प्रशांत मिश्र, सतीश चंद्र झा, पूजा झा, वरिष्ठ रंगकर्मी अरविंद रंजन दास, किशोर केशव आ अवनिंद्र कुमार ठाकुर सहित कतेको साहित्यकार आ रंगकर्मी उपस्थित छलाह। मंजू झा धन्यवाद ज्ञापन कएलनि।
तकर बाद प्रसिद्ध मैथिली नाटककार डॉ. अरविंद अक्कू लिखित आ रबींद्र बिहारी राजू निर्देशित नाटक ‘इजोत घरक अन्हार’क मंचन भेल। नाटक मे युग-युग सं शोषित आ प्रताड़ित स्त्री समाज कें नव स्वरूप मे अपन अधिकार आ शोषणक विरुद्ध संघर्ष करैत देखाओल गेल। नाटकक माध्यम सं ई संदेश देल गेल जे नारी आब अबला नहि, सबला अछि।
नाटक मे नारी-शोषणक नाम पर झूठ कथा गढ़ि राजनीति करय बला लोक पर सेहो तीक्ष्ण प्रहार कएल गेल। कलाकार मे रश्मि मिश्रा, सोनी, प्रीति झा, शिव सिंह राजपूत, रौशन कुमार झा, कपिल मल्लिक, बिनोद कुमार झा, आशुतोष झा, रितु कर्ण, प्रतिभा पम्मी, अंतेश, अमलेश, आनंद, गोविंद कुमार, अंशु राजपूत, सहराज, अमित मिश्रा, अनिमेष आ रौशन शामिल छलाह।
प्रकाश आ संगीत मे कलाकार सभक सहयोग रहल। नाटकक निर्देशन रबींद्र बिहारी राजू कएलनि, जखन कि लेखक डॉ. अरविंद कुमार अक्कू छथि। समस्त परिकल्पना अरीपनक अध्यक्ष किशोर कुमार चौधरी प्रस्तुत कएलनि।