पटना : बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी भरत तिवारी मुठभेड़ मामिला मे पुलिसक चूक स्वीकार कएलनि अछि। ‘पंचायत आजतक बिहार 2026’क मंच सं बात करैत मुख्यमंत्री कहलनि जे एहि मामिला मे पुलिस सं गलती भेल छल। घटना होइतहि सरकार 48 घंटाक भीतर न्यायिक कमेटी गठित केने छल आ कमेटीक रिपोर्ट मे पुलिसक चूकक बात सामने आयल। रिपोर्टक आधार पर दोषी अधिकारीक विरुद्ध कड़ा कारबाइ सेहो कएल गेल आ किछु लोक कें जेल पठाओल गेल।
मुख्यमंत्री कहलनि जे सरकार भरत तिवारीक परिवारक संग ठाढ़ अछि। पीड़ित परिवार कें आर्थिक सहायता देबाक संग परिवारक एक सदस्य कें सरकारी नोकरी देबाक घोषणा सेहो कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे अपराधी कोनो जाति, धर्म वा वर्गक हो, कानूनक अनुसार ओकर विरुद्ध कठोर कारबाइ होयत।
पुलिसक गलती नजरअंदाज नहि होयत
कानून-व्यवस्थाक प्रश्न पर सम्राट चौधरी कहलनि जे हुनकर सरकार पुलिस कें अपन काज करबाक पूरा स्वतंत्रता देत, मुदा पुलिसक गलती कें इग्नोर नहि कएल जायत। जं पुलिस सं चूक होयत तं पुलिसक विरुद्ध सेहो कारबाइ होयत। ओ कहलनि जे आब आगांक कानूनी कारबाइ न्यायालयक स्तर पर होयत आ दोषी कें सजा भेटबाक चाही। मुख्यमंत्रीक अनुसार कानूनक राज आ अपराधी कें समय पर सजा भेटला सं राज्य मे सुशासन स्थापित भए सकैत अछि।
एके-47 मामिला मे सेहो कारबाइक बात
परीक्षा सुधारक मांग लए कए आंदोलन करैत छात्र सभ पर एके-47 सं गोली चलाओल गेलाक आरोप संबंधी प्रश्न पर मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहार पहिल राज्य अछि जतय छात्रक मांगक समीक्षा लेल उच्च न्यायालयक कार्यरत न्यायाधीशक अध्यक्षता मे कमेटी गठित कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे एहि मामिला मे जे कियो गड़बड़ी केने होयत, ओकर विरुद्ध कड़ा कारबाइ कएल जायत। कमेटीक रिपोर्ट आबि गेलाक बाद ओकर आधार पर कारबाइ होयत। परीक्षा मे गड़बड़ी करऽ वला लोकक विरुद्ध कठोर कारबाइ लेल गुंडा एक्टक प्रावधानक उपयोग सेहो कएल जा सकैत अछि।
की छल भरत तिवारी मुठभेड़ मामिला
भोजपुरक शाहपुर थाना क्षेत्रक बिलौटी गाम निवासी 26 वर्षीय समाजसेवी भरत भूषण तिवारीक 17 जून 2026 कें पुलिस मुठभेड़ मे मृत्यु भेल छल। ओ बाढ़ि पीड़ितक पुनर्वास आ सरकारी काज मे अनियमितताक मुद्दा सोशल मीडियाक माध्यम सं उठबैत छलाह। स्थानीय ग्रामीणक कहब छल जे पुलिसक आश्वासन पर भरत तिवारी आत्मसमर्पण केने छलाह, मुदा तकर बाद पुलिसकर्मी हुनका पर गोली चलौलनि। दोसर दिस, पुलिसक दावा छल जे भरत कें समझेबाक प्रयास कएल गेल, मुदा ओ पिस्तौल निकालि लेलनि। घटनाक वीडियो वायरल भेलाक बाद मामिला मे व्यापक चर्चा भेल छल।