Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बिहार मे 21 सितंबर सं 4 अक्टूबर धरि पैघ रेल ब्लॉक, 845 ट्रेन प्रभावित; 338 रद्द

Avatar
By Samadiya Mithila
September 19, 2026 2 Min Read
0

21 सितंबर सं शुरू भए कए 4 अक्टूबर धरि रहत मेगा ब्लॉक

 

पटना, समदिया  

रेलवे इतिहासक अखन धरिक सभ सं पैघ मेगा ब्लॉक मे सं एकटा 21 सितंबर सं शुरू होमय जा रहल अछि। पूर्व मध्य रेलवे अंतर्गत दानापुर मंडलक मोकामा मे गंगा नदी पर राजेंद्र सेतुक समानांतर बनल नव दोहरी रेल पुल कें वर्तमान रेल नेटवर्क सं जोड़बाक लेल 21 सितंबर सं 4 अक्टूबर 2026 धरि 14 दिनक यातायात अवरोध राखल गेल अछि। एहि अवधि मे कुल 845 ट्रेन सेवा प्रभावित होयत। रेलवे यात्री सभ सं आग्रह केने अछि जे यात्रा पर निकलला सं पहिने अपन ट्रेनक टटका स्थिति अवश्य जांचि ली।

338 ट्रेन रद्द, 384 केर मार्ग बदलत

रेलवे द्वारा कराओल जा रहल गैर-अंतरसंबंधीकरण (एनआइ) कार्यक कारण 845 प्रभावित ट्रेन सेवा मे सं 338 ट्रेन रद्द रहत। ओतहि 384 ट्रेनक मार्ग बदलल जाएत। एकर अतिरिक्त 67 ट्रेन कें निर्धारित प्रारंभिक स्टेशनक बदला दोसर स्टेशन सं चलाओल जाएत, जखन कि 56 ट्रेनक परिचालन निर्धारित गंतव्य स्टेशन सं पहिनहि समाप्त कएल जाएत। रेलवेक अनुसार, 3 अक्टूबर कें एहि अवरोधक प्रभाव सभ सं बेसी रहबाक संभावना अछि। एहि दिन 36 ट्रेन रद्द रहबाक संभावना बताओल गेल अछि। यात्री सभ लेल जरूरी अछि जे अपन यात्रा सं पहिने रेलवे द्वारा जारी सूचना, ट्रेनक स्थिति आ परिवर्तित मार्गक जानकारी अवश्य प्राप्त कए ली।

पांच ठाम सं नव पुल जुड़त

मोकामाक लग गंगा नदी पर बनि रहल नव समानांतर दोहरी रेल पुल कें वर्तमान रेल नेटवर्क सं जोड़बाक लेल पांच प्रमुख स्थान पर महत्वपूर्ण कार्य कएल जाएत। एहि मे अपर हथिदह जंक्शन, ताल जंक्शन, रामपुर डुमरा, दिनकर ग्राम सिमरिया आ बरौनी जंक्शन शामिल अछि। गैर-अंतरसंबंधीकरण कार्य पूरा भेलाक बाद नव पुल सं ट्रेनक नियमित परिचालनक बाट साफ भए जाएत। नव पुल शुरू भेलाक बाद वर्तमान राजेंद्र सेतु पर रेल यातायातक दबाव कम होएत। एकर अतिरिक्त एहि महत्वपूर्ण रेल गलियारा मे ट्रेन परिचालनक क्षमता सेहो बढ़त।

चारि राज्यक यात्री हेताह प्रभावित

14 दिनक एहि पैघ रेल अवरोधक प्रभाव मात्र बिहार धरि सीमित नहि रहत। उत्तर प्रदेश, पश्चिम बंगाल, झारखंड आ ओडिशा सं बिहार आबय-जाएबला यात्री सभ कें सेहो ट्रेन परिचालन मे बदलावक सामना करय पड़ि सकैत अछि।

हावड़ा, पटना, कोलकाता आ नई दिल्ली कें जोड़निहार कतेको महत्वपूर्ण रेल मार्ग पर ट्रेन रद्द, मार्ग परिवर्तन, निर्धारित स्टेशन सं पहिने परिचालन समाप्त करब अथवा दोसर स्टेशन सं ट्रेन चलबाक प्रभाव पड़त।

रेलवे यात्री सभ सं अपील केने अछि जे 21 सितंबर सं 4 अक्टूबरक बीच यात्रा करबा सं पहिने अपन ट्रेनक परिचालन स्थिति, मार्ग मे भेल परिवर्तन आ निर्धारित स्टेशन संबंधी जानकारी जरूर जांचि ली, जाहि सं यात्रा मे अनावश्यक कठिनाइक सामना नहि करय पड़य।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

338 ट्रेन रद्द845 ट्रेन प्रभावितगंगा नदी रेल पुलट्रेन डायवर्टट्रेन रद्ददानापुर मंडलपूर्व मध्य रेलवेबिहार रेल ब्लॉकबिहार रेलवेमोकामामोकामा रेल पुलराजेंद्र सेतुरेल समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

प्रो. हरिमोहन झाक जयंती पर ‘इजोत घरक अन्हार’क मंचन, स्त्री-विमर्श पर केंद्रित रहल नाटक

बिहार मे बाढ़ि सं फसल क्षति आ खेत मे जलजमाव
Next

बिहार मे बाढ़ि सं 10 हजार करोड़क नुकसान, 1.76 लाख हेक्टेयर फसिल प्रभावित

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • LPG Subsidy Rule: 1 अक्टूबर सं बदलत नियम, बायोमेट्रिक आधार प्रमाणीकरण नहि करेला सं की होयत?
  • बाढ़ि पीड़ित परिवार कें 15 हजार मुआवजा भेटक चाही : तेजस्वी यादव
  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech