सकरी चीनी मिल सहकारी समितिक निबंधन प्रक्रिया तेज, प्रथम बोर्डक 10 सदस्य चुनल गेल
- निबंधन प्रस्ताव शीघ्र जमा करबाक डीएम आनंद शर्मा देलनि निर्देश
मधुबनी, समदिया
सकरी प्राथमिक चीनी मिल सहकारी समिति लिमिटेडक निबंधन प्रक्रिया तेज करबाक आ आवश्यक वैधानिक औपचारिकता पूरा करबाक दिशा मे महत्वपूर्ण पहल कयल गेल अछि। जिला पदाधिकारी सह प्रस्तावित सकरी प्राथमिक चीनी मिल सहकारी समिति लिमिटेडक पदेन अध्यक्ष आनंद शर्माक अध्यक्षता मे समितिक निबंधन लेल प्रस्ताव जमा करबाक उद्देश्य सं प्रथम बोर्डक 10 प्रबंध समिति सदस्यक चयन संपन्न भेल। एहि प्रक्रियाक उद्देश्य प्रस्तावित सहकारी समितिक गठन आ निबंधन सं जुड़ल आवश्यक कार्यवाही कें आगू बढ़ेनाइ तथा निर्धारित प्रावधानक अनुरूप समिति कें संस्थागत स्वरूप देनाइ अछि। प्रथम बोर्डक सदस्यसभक चयन सं समितिक निबंधनक दिशा मे आगूक कारबाइ करबाक बाट प्रशस्त भेल अछि। प्रथम बोर्डक सूची मे जिला पदाधिकारी आनंद शर्मा कें अध्यक्षक रूप मे अंकित कयल गेल अछि। एहि अवसर पर संगठनकर्ता समितिक सदस्य सभ कें निबंधन सं संबंधित आवश्यक दस्तावेज आ प्रस्ताव तैयार कए अविलंब निबंधक, सहयोग समितिसभ, बिहार, पटनाक समक्ष जमा करबाक निर्देश देल गेल। जिला प्रशासन निबंधन प्रक्रिया समयबद्ध ढंग सं पूरा करबाक पर जोर देने अछि, जाहि सं आवश्यक औपचारिकता पूरा कय प्रस्तावित समितिक गठनक कारबाइ नियमानुसार संपन्न कयल जा सकय। सकरी प्राथमिक चीनी मिल सहकारी समिति लिमिटेडक निबंधन लेल कयल गेल ई पहल सहकारी संस्थाक गठन सं जुड़ल प्रशासनिक प्रक्रियाक महत्वपूर्ण चरण अछि। आब संगठनकर्ता समितिक सदस्य सभ कें निर्देशानुसार निबंधन प्रस्ताव जमा करय पड़तनि। एहि प्रस्तावक आधार पर नियमानुसार आगूक कारबाइ कयल जायत।