Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव 19 सं 21 नवंबर धरि, जुटताह नामचीन कलाकार

Avatar
By Samadiya Mithila
October 13, 2026 2 Min Read
0

 

  • तीन दिवसीय आयोजन मे पहिल बेर लागत फूड कार्ट, पुस्तक मेला आ सेमिनारक सेहो होयत आयोजन

 

सहरसा, समदिया

नगर आयुक्त प्रभात कुमार झाक अध्यक्षता मे मंगलदिन नगर निगम कार्यालय मे जिला मे प्रस्तावित विभिन्न महोत्सवसभक तैयारी कें लए समीक्षा बैसार आयोजित कयल गेल। एहि दौरान श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव, महिषी-2026 केर आयोजन पर विस्तार सं विचार-विमर्श कयल गेल। जिलाधिकारी बाढ़ि आ अन्य कारण सभ कें ध्यान मे रखैत छठि पूजाक बाद 19, 20 आ 21 नवंबर कें तीन दिवसीय महोत्सव आयोजित करबाक तिथि निर्धारित कयने छथि। बैसार मे महोत्सवक विभिन्न समिति सभक काजक समीक्षा कयल गेल। महोत्सव सं ग्रामीण बुद्धिजीवी सभ कें जोड़बाक, पुस्तक मेला आयोजित करबाक, स्मारिकाक गुणवत्ता आ मौलिकता सुनिश्चित करबाक तथा सेमिनार आ वाद-विवाद प्रतियोगिताक लेल संयोजक नियुक्त करबाक प्रस्ताव पर चर्चा भेल। आयोजन कें बेसी व्यापक, आकर्षक आ ज्ञानवर्धक बनेबाक लेल विभिन्न पहलु सभ पर विचार कयल गेल।

  • पहिल बेर महोत्सव मे लागत फूड कार्ट

एहि बरख श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव मे पहिल बेर विशेष रूप सं फूड कार्टक व्यवस्था कयल जा रहल अछि। एहि मे मिथिलाक पारंपरिक व्यंजनक संग-संग अन्य प्रसिद्ध व्यंजन आ खाद्य पदार्थ सेहो उपलब्ध रहत। एहि व्यवस्था सं महोत्सव मे आबयवला लोक स्थानीय खानपानक संग विभिन्न व्यंजनक स्वाद लए सकताह। नगर आयुक्त प्रभात कुमार झा कहलनि जे श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव एकटा महत्वपूर्ण आयोजन अछि। एकरा विश्वस्तरीय उत्सवक रूप देबाक उद्देश्य सं ख्यातिप्राप्त कलाकार सभ कें आमंत्रित कयल जा रहल अछि। महोत्सव कें यादगार बनेबाक लेल कतेको विशेष कार्यक्रम आयोजित होयत।

 

प्रभात फेरी आ चित्रकला प्रतियोगिता सेहो

 

महोत्सवक दौरान कलाकार सभ द्वारा कार्यक्रम स्थल सं उग्रतारा स्थान आ मंडन धाम धरि आकर्षक प्रभात फेरी निकालल जायत। एकर अतिरिक्त स्थानीय कलाकार सभ सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत करताह। चित्रकला प्रतियोगिताक आयोजन सेहो होयत, जाहि सं स्थानीय प्रतिभा सभ कें अपन कला आ सांस्कृतिक पहिचान प्रदर्शित करबाक अवसर भेटत। नगर आयुक्त जानकारी देलनि जे तीन दिवसीय महोत्सवक कार्यक्रमक नगर निगम द्वारा शहर मे लगाओल गेल सभ एलसीडी स्क्रीन पर सीधा प्रसारण कयल जायत। एहि व्यवस्था सं शहरवासी सेहो कार्यक्रमक सीधा आनंद उठा सकताह। बैसार मे कला आ संस्कृति पदाधिकारी स्नेहा झा, प्रो. अक्षय कुमार चौधरी, अमित आनंद सहित अन्य संबंधित लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पटना मे आईसाक लोक भवन मार्चक दौरान हंगामा, छात्रसभ बैरिकेड तोड़लनि

Next

सकरी चीनी मिल सहकारी समितिक निबंधन प्रक्रिया तेज, प्रथम बोर्डक 10 सदस्य चुनल गेल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • मां चंडी मंदिर परिसरक जीवछ पोखरि मे नवविवाहिताक लास बरामद, हत्याक आरोप
  • पुलिस लाइन मे फांसीक फंदा सं लटकल भेटल दरोगाक शव
  • बेनीपुर-मनीगाछी सड़कक 12म बेर गुणवत्ताक जांच
  • नगर निगमक चारि सड़क निर्माण योजना मे गड़बड़ी, जांच मे गुणवत्ता पर उठल सवाल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech