झंझारपुर अनुमंडल प्रशासन निकाललक तिरंगा यात्रा
- हर घर तिरंगा अभियान मे एसडीएम टोनी कुमारीक नेतृत्व मे निकलल तिरंगा यात्रा
झंझारपुर, समदिया
स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर हर घर तिरंगा अभियानक अंतर्गत बृहस्पति कें अनुमंडल प्रशासन द्वारा शहर मे भव्य तिरंगा यात्रा निकालल गेल। ई तिरंगा यात्रा झंझारपुरक एसडीएम टोनी कुमारीक अध्यक्षता मे निकालल गेल। तिरंगा यात्रा मे झंझारपुरक स्कूल-कॉलेजक छात्र-छात्रा, शिक्षक, जनप्रतिनिधि, पदाधिकारी-कर्मी आ मेरा युवा भारतक राष्ट्रीय युवा स्वयंसेवक शामिल भेलाह। हाथ मे तिरंगा लेने अनुमंडल प्रशासन सं लए कए बच्चा आ युवा सभक उत्साह देखैत बनैत छल। तिरंगा यात्रा प्रखंड कार्यालय सं शुरू भए लंगड़ा चौक स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर स्मारक धरि पहुंचल, जतय यात्रा संपन्न भेल। समापनक बाद सभ लोक सामूहिक रूप सं वंदे मातरम्क गायन कएलनि। एसडीएम टोनी कुमारी कहलनि जे तिरंगा यात्रा झंझारपुरक सामूहिक देशभक्ति आ राष्ट्रीय एकताक उत्सव अछि। ओ लोक सभ सं हर घर तिरंगा अभियान कें जन-जनक अभियान बनेबाक, अपन-अपन घर पर सम्मानपूर्वक तिरंगा फहराबय आ राष्ट्रक प्रगति, स्वच्छता आ नशामुक्त समाजक निर्माण मे अपन सहभागिता देबाक अपील कएलनि। एहि दौरान एसडीएम टोनी कुमारी आ एसडीपीओ सुबोध कुमार सिन्हा देशक एकता-अखंडताक संदेश देलनि। कार्यक्रम मे उक्त पदाधिकारी सभक अतिरिक्त झंझारपुर बीडीओ पंकज कुमार दीक्षित, झंझारपुर थानाध्यक्ष सुनील कुमार सिंह, सीओ प्रशांत कुमार झा, केजरीवाल प्लस टू उच्च विद्यालयक एचएम विनय कुमार झा सहित कतेको पदाधिकारी, छात्र-छात्रा आ स्थानीय लोक शामिल भेलाह।
==============================================================