मधुबनी मे बिजली व्यवस्था होयत आरो मजबूत
- डीएम विद्युत पदाधिकारी सभक संग कएलनि समीक्षा
404
मधुबनी, समदिया
जिला पदाधिकारी आनंद शर्मा जिला मे बढ़ैत विद्युत मांग आ शहरी क्षेत्रक विद्युत आपूर्ति व्यवस्था कें लए कए विद्युत कार्यपालक अभियंता संग समीक्षा बैसार कएलनि। बैसार मे विद्युत लोडक वर्तमान स्थिति, आपूर्ति व्यवस्था कें मजबूत करबाक लेल चलि रहल कार्य आ नव पावर सब-स्टेशनक निर्माणक प्रगतिक विस्तार सं समीक्षा कएल गेल। बैसार मे बताओल गेल जे जिला मे भए रहल विकास कार्यक कारण विद्युतक मांग लगातार बढ़ि रहल अछि। पछिला वर्षक तुलना मे एहि वर्ष शहरी क्षेत्र मे करीब 4 मेगावाट बेसी विद्युत खपत भए रहल अछि। मधुबनी विद्युत आपूर्ति प्रमंडल मे विद्युत इनपुट सेहो लगातार बढ़ल अछि। अप्रैल 2026 मे 4.02 करोड़ यूनिट, मई मे 4.48 करोड़ यूनिट, जून मे 5.51 करोड़ यूनिट आ जुलाई 2026 मे 6.13 करोड़ यूनिट विद्युत इनपुट दर्ज कएल गेल। शहरी क्षेत्र मे विद्युत लोड जुलाई 2025 मे 17 मेगावाट छल, जे जुलाई 2026 मे बढ़ि कए 21 मेगावाट आ अगस्त 2026 मे 21.6 मेगावाट भए गेल अछि। वर्तमान मे पीएसएसक क्षमता 27 मेगावाट अछि आ एहि पर करीब 80 प्रतिशत लोड अछि। बढ़ैत लोड कें देखैत विद्युत आपूर्ति व्यवस्था कें मजबूत करबाक लेल 10 एमवीए क्षमताक एकटा पावर ट्रांसफॉर्मर स्थापित कएल जा चुकल अछि, जाहि कें एक सप्ताहक भीतर चालू करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। एहि अतिरिक्त शहरी क्षेत्रक पीएसएस कें एकटा अतिरिक्त 33 केवी लाइन सं जोड़ल गेल अछि। एहि सं मधुबनी जीएसएस आ पंडौल जीएसएस सं दूटा मार्गक माध्यम सं विद्युत आपूर्ति कएल जा सकत। विद्युत कार्यपालक अभियंता, मधुबनी मो. अरमान कहलनि जे जिला पदाधिकारीक प्रयास सं मधुबनी शहरी क्षेत्र मे चारिटा नव विद्युत शक्ति उपकेंद्र (पीएसएस)क निर्माण लेल चारि ठाम निःशुल्क जमीन उपलब्ध कराओल गेल अछि। एहि उपकेंद्र सभक निर्माण कार्य शुरू भए चुकल अछि। ओ कहलनि जे बसुआड़ा, मेडिकल कॉलेज, लहेरियागंज आ अहमद मे प्रस्तावित नव पीएसएस सं क्रमशः करीब 8 हजार, 9 हजार, 8 हजार आ 7 हजार उपभोक्ता कें सीधे लाभ भेटबाक संभावना अछि। संबंधित एजेंसी सभ द्वारा निर्माण कार्य शुरू कए देल गेल अछि आ निर्धारित समय मे कार्य पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
जिला पदाधिकारी आनंद शर्मा विद्युत कार्यपालक अभियंता कें सभ निर्माणाधीन आ प्रस्तावित कार्य कें निर्धारित समय-सीमा मे पूरा कराबय तथा विद्युत आपूर्ति व्यवस्था कें आरो नीक बनाबयक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे बढ़ैत विद्युत मांगक अनुरूप विद्युत आधारभूत संरचनाक विस्तार आवश्यक अछि। नव पीएसएस, अतिरिक्त 33 केवी लाइन आ 10 एमवीए ट्रांसफॉर्मरक माध्यम सं शहरी क्षेत्र मे विद्युत आपूर्तिक क्षमता आ विश्वसनीयता बढ़त। ओ कहलनि जे शहरी क्षेत्रक चारू दिशा मे नव पीएसएस विकसित कएल जाय सं बेसी सं बेसी उपभोक्ता कें लाभ भेटत आ स्थानीय स्तर पर विद्युत सं जुड़ल छोट-छोट समस्या केर त्वरित समाधान सुनिश्चित कएल जा सकत। बैसार मे विद्युत विभागक संबंधित पदाधिकारी उपस्थित छलाह।