Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या

Avatar
By Samadiya Mithila
September 11, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • पूर्व मंडल अध्यक्षक भागिन पर लागल हत्याक आरोप

 

भागलपुर, समदिया

भागलपुर मे अपराधी सभ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क मंडल अध्यक्ष उमा भूषण तांती (53)क गोली मारि हत्या कए देलक। अपराधी हुनकर कनपटी लग गोली मारलक, जाहि सं घटनास्थले पर हुनकर मृत्यु भए गेल। घटना बरगंज थाना क्षेत्रक कुतुबगंज इलाका मे भेल। घटनाक बाद पुलिस उमा भूषणक शव कें मायागंज अस्पताल लए गेल, जतय चिकित्सक हुनका मृत घोषित कएलनि। अखन हत्याक वास्तविक कारण स्पष्ट नहि भेल अछि। प्रारंभिक जानकारीक अनुसार काली पूजाक चंदा सं जुड़ल विवाद कें हत्याक कारण मानल जा रहल अछि। पुलिस विभिन्न पहलूक जांच कए रहल अछि।

घटनाक सूचना भेटलाक बाद मृतकक बेटी मायागंज अस्पताल पहुंचल। ओ अपन पिताक शव सं लिपटि कए फूटि-फूटि कए कानय लगलीह। बेटी बारंबार बजैत छल – पापा उठू… प्लीज पापा उठू। एहि घटना सं अस्पताल परिसर मे शोकक माहौल बनि गेल। घटनाक जानकारी भेटलाक बाद भाजपा विधायक रोहित पांडे सेहो मायागंज अस्पताल पहुंचलाह। सूचना पाबि नगरक अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी (एसडीपीओ) सेहो घटनास्थल पर पहुंचि मामिलाक छानबीन मे जुटि गेलाह।

उमा भूषण तांती वर्ष 1995 सं भाजपा सं सक्रिय रूपें जुड़ल छलाह। वर्ष 2025 मे हुनका पार्टीक मंडल अध्यक्ष चुनल गेल छल। ओ एहि पद पर रहि कए संगठनक कार्य करैत छलाह।

पूर्व मंडल अध्यक्षक भांजा पर हत्या करबाक आरोप

मृतकक भाइ अरविंद तांतीक कहब अछि जे वार्ड पार्षद शशि मोदीक भागिन किशन कुमार अपन एकटा सहयोगीक संग मोटरसाइकिल पर सवार भए कए आयल। एहि दौरान बाजार दिस जा रहल हुनकर भाइ उमा भूषण कें पाछां दिस सं गोली मारल गेल। गोली हुनकर कनपटी मे लागल। गोली लगिते उमा भूषण सड़क पर अचेत भए कए खसि पड़लाह। मोटरसाइकिल पर आयल दुनू अपराधी घटनास्थल सं भागि निकलल।

भतीजाक दाबी,–बाइक रोकि किशन मारलक गोली

उमा भूषणक भातीज अंकितक कहब अछि जे ओ मोटरसाइकिल सं जा रहल छल। उमा भूषण सेहो दोसर मोटरसाइकिल सं जा रहल छलाह। एहि बीच दू व्यक्ति मोटरसाइकिल सं आबि हुनकर काकाक मोटरसाइकिल रोकलक। अंकितक आरोप अछि जे ओहि दुनू मे किशन कुमार सेहो छल, जे पूर्व वार्ड पार्षद शशि मोदीक भागिन अछि। बाइक रोकलाक बाद किशन अपन चाचा उमा भूषण कें गोली मारि देलक, जाहि सं हुनकर मृत्यु भए गेल।

पुलिस घटनास्थल आ आसपासक क्षेत्रक जांच करबाक संग हत्याक कारण तथा आरोपित सभक भूमिका संबंधी जानकारी जुटा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech