Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

एमएलसी चुनाव मे हारिक बाद जदयू मे घमर्थन, देवेशचंद्र ठाकुर कहलनि, एनडीए नेताक मोन साफ नहि

Avatar
By Samadiya Mithila
October 31, 2026 3 Min Read
Comments Off on एमएलसी चुनाव मे हारिक बाद जदयू मे घमर्थन, देवेशचंद्र ठाकुर कहलनि, एनडीए नेताक मोन साफ नहि

 

एमएलसी चुनाव मे हारिक बाद जदयू मे घमर्थन, देवेशचंद्र ठाकुर कहलनि, एनडीए नेताक मोन साफ नहि

  • बैद्यनाथ प्रसाद भीतरघातक आरोप कें कयलनि खारिज

  • अभिषेक झा अपन तुलना महाभारतक अभिमन्यु सं कयलनि

 

सीतामढ़ी, समदिया

तिरहुत स्नातक एमएलसी चुनाव मे एनडीए प्रत्याशी अभिषेक झाक हारिक बाद गठबंधनक भीतरी राजनीति खुलि कए सामने आबय लागल अछि। चुनाव प्रचारक दौरान एकजुटताक संदेश देनिहार एनडीए नेता सभ आब हारिक कारण कें लए अलग-अलग दावा कए रहल छथि। एहि बीच जदयू सांसद देवेश चंद्र ठाकुरक बयान आ भाजपा विधायक बैद्यनाथ प्रसादक जवाब सं राजनीतिक विवाद तेज भए गेल अछि।

किछु लोकक मोन साफ नहि छल

जदयू सांसद देवेश चंद्र ठाकुर गठबंधनक किछु माननीय नेताक भूमिका पर सवाल उठबैत आरोप लगौलनि जे चुनावक दौरान किछु लोकक मोन साफ नहि छल। हुनकर कहब छलनि जे हुनकर व्यक्तिगत दुश्मनी अभिषेक झा सं नहि, बल्कि किछु आन लोक सं छल। मुदा जखन अभिषेक झा हुनका संग ठाढ़ देखेलथि, तं वएह नेता सभ अपन रोषक निशाना अभिषेक झा कें बना लेलनि। देवेश ठाकुरक बयानक राजनीतिक अर्थ ई लगाओल जा रहल अछि जे गठबंधनक किछु नेता सभ प्रत्याशीक पक्ष मे पूरा ईमानदारी सं काज नहि कयलनि। सांसद संकेत देलनि जे जीवन भरि हुनका लग सं मदति लेनिहार किछु लोक चुनावक समय विरोधी भूमिका निभौलनि। हुनकर कहब छलनि जे किछु लोक कें ई बातो खटकैत छल जे कमजोर समाज सं आबयबला व्यक्ति राजनीतिक रूप सं एतेक प्रभावशाली कोना भए रहल अछि। देवेश ठाकुर कहलनि जे हम कहियो गठबंधन विरोधी काज नहि कयलहुं। हम कहियो केकरो एक शब्दो नहि कहलहुं जे एहि प्रत्याशीक विरुद्ध वोट दी। ओना, ई सभ बात बिसरबाक नहि अछि।

बैद्यनाथ प्रसाद देलनि जवाब

देवेश ठाकुरक आरोप पर रीगा विधायक आ भाजपा नेता बैद्यनाथ प्रसाद तीव्र प्रतिक्रिया देलनि। ओ सांसदक बयान कें हुनकर राजनीतिक डेगक अनुरूप नहि बतबैत कहलनि जे एतेक वरिष्ठ नेताक लेल एहि तरहक टिप्पणी उचित नहि अछि। बैद्यनाथ प्रसाद एनडीए मे भीतरघातक आरोप कें खारिज कयलनि।

हुनकर दावा छलनि जे स्नातक आ शिक्षक एमएलसी चुनाव मे गठबंधनक सभ घटक दलक नेता आ कार्यकर्ता एकजुट भए प्रत्याशीक जीत लेल काज कयलनि। पिछला एमएलसी चुनाव मे अभिषेक झा कें करीब 10 हजार वोट भेटल छलनि, जखन कि एहि बेर लगभग 20 हजार वोट प्राप्त भेलनि। वोटक संख्या मे वृद्धि एनडीए कार्यकर्ता सभक मेहनतक प्रमाण थिक। हारिक बाद भीतरघातक आरोप लगेनाइ उचित नहि अछि।

अभिषेक झा कयलनि अभिमन्यु सं कएलनि तुलना

एहि विवादक बीच एनडीए प्रत्याशी रहल अभिषेक झाक सोशल मीडिया पोस्ट सेहो चर्चाक विषय बनल अछि। ओ मतदाता, समर्थक आ कार्यकर्ता सभक प्रति आभार जतौलनि, मुदा हारिक पीड़ा व्यक्त करैत महाभारतक अभिमन्युक प्रसंग उठौलनि। अभिषेक झा सवाल कयलनि जे की अपनहि राजनीतिक परिवार एनडीए मे ओ अभिमन्युक जकां चक्रव्यूह मे एकसर पड़ि गेल छलाह? हुनकर एहि सवाल कें गठबंधनक भीतर अपेक्षित सहयोग नहि भेटबाक संकेत मानल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे हुनका केकरो प्रति कटुता वा द्वेष नहि अछि आ समयक संग सत्य सामने आयत। ओ चुनावक घटना आ परिस्थितिपर आत्ममंथन करबाक बात सेहो कहलनि।

4,700 मतपत्र अमान्य होयबाक दावा

अभिषेक झा चुनाव परिणाम पर सवाल उठबैत करीब 4,700 मतपत्र अमान्य कयल गेलाक दावा कयलनि। हुनकर कहब अछि जे एहि मतपत्र सभ पर हुनकर नामक आगू टिक लगाओल गेल छल, तैयो ओकरा अमान्य घोषित कए देल गेल। हुनकर अनुसार, जं एहि मतपत्र सभ कें अमान्य नहि कयल गेल रहैत, तं चुनाव परिणाम हुनका पक्ष मे सेहो जा सकैत छल। हालांकि, एहि दावाक आधिकारिक पुष्टि एखन नहि भेल अछि। एहि विवादक बाद तिरहुत स्नातक चुनाव मे एनडीएक हारिक कारण आ गठबंधनक भीतरी एकजुटता पर सवाल उठय लागल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध जन महाभियोग, मतदाता सूची मे गड़बड़ीक आरोप

Next

आजुक ई पेपर

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech