मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध जन महाभियोग, मतदाता सूची मे गड़बड़ीक आरोप
- इंडिया गठबंधन शनिदिन प्रतीकात्मक जन महाभियोग कार्यक्रम केलक
\
नई दिल्ली, एजेंसी
इंडिया गठबंधन शनिदिन, 31 अक्टूबर कें मुख्य चुनाव आयुक्त (सीईसी) ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध प्रतीकात्मक जन महाभियोग कार्यक्रम आयोजित केलक। दिल्ली मे कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गेक आवास पर भेल एहि कार्यक्रमक आयोजन मतदाता सूचीक विशेष गहन पुनरीक्षण (एसआइआर) मे कथित गड़बड़ी आ वोट चोरीक आरोपक बीच कयल गेल। कार्यक्रम मे कांग्रेस अध्यक्ष आ राज्यसभा मे विपक्ष के नेता मल्लिकार्जुन खड़गे मुख्य चुनाव आयुक्तक विरुद्ध प्रस्ताव रखलनि। ओ आरोप लगौलनि जे ज्ञानेश कुमार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ गृह मंत्री अमित शाहक निर्देश पर निर्वाचन आयोग चला रहल छथि।
पूर्व लोकसभा अध्यक्ष आ कांग्रेस नेता मीरा कुमार कहलनि जे गठबंधन ज्ञानेश कुमार कें पद सं हटेबाक लेल महाभियोग प्रस्ताव अनबाक निर्णय कयने अछि। एहि लेल इंडिया गठबंधनक बैठक बजाओल जायत। प्रस्ताव राज्यसभा मे विपक्ष के नेता मल्लिकार्जुन खड़गे पेश करताह। मीरा कुमारक कहब छलनि जे लोकतंत्र चुनावी शक्ति सं चलैत अछि आ एहि शक्तिक केंद्र मे मतदाताक अधिकार अछि। जं एकहु मतदाता कें मतदानक अधिकार सं वंचित कयल जाइत अछि, तं ई लोकतंत्रक आत्मा पर चोट थिक।
खड़गे कहलनि जे मुख्य चुनाव आयुक्त सीधे प्रधानमंत्री आ गृह मंत्रीक कहला पर आयोग चला रहल छथि। सात मास पहिने विपक्षक 193 सांसद संसदक दुनू सदन मे सीईसी कें पद सं हटेबाक प्रस्ताव देने छलाह, मुदा हुनकर नोटिस अस्वीकार कए देल गेल आ ओहि पर कोनो ध्यान नहि देल गेल।
ओ स्पष्ट कयलनि जे हुनका सीईसी सं व्यक्तिगत दुश्मनी नहि अछि। हुनकर उद्देश्य अछि जे निर्वाचन आयोग बिना भेदभाव संविधानक भावना अनुरूप काज करय, जाहि सं आम लोकक भरोस कायम रहय। कमजोर वर्ग, महिला आ युवासभक मतदान अधिकार कें सुरक्षित रखबाक जरूरत पर जोर दैत ओ कहलनि जे कंप्यूटरक माध्यम सं चुपचाप मतदाता सूची सं नाम हटेबाक खेल नहि चलबाक चाही।
खड़गे आरोप लगौलनि जे 2014 सं सत्ता हासिल आ कायम रखबाक लेल कतेको षड्यंत्र कयल गेल। सांसद सभ कें तोड़बाक, राजनीतिक दल सभ कें विभाजित करबाक आ सरकार खसयबाक संग चुनावी बॉन्ड, प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) आ सीबीआइक दुरुपयोग कयल गेल। आब वोट चोरी कयल जा रहल अछि। हुनकर दावा छलनि जे एहि तरहक गड़बड़ीक सैकड़ो उदाहरण विपक्ष लग अछि।