दू निर्दलीय एमएलसी भाजपा मे शामिल, आठ सीट मे चारि पर भाजपा
- बंशीधर ब्रजवासी जदयू प्रत्याशी कें हरौने छलथि
-
भाजपा सं बागी भए सारण शिक्षक सीट पर चुनाव लड़ल छलाह राहुल राज
पटना, समदिया
बिहार विधान परिषद चुनावक परिणामक बाद राज्यक राजनीति मे पैघ उलटफेर भेल अछि। तिरहुत स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सं दू बेर निर्दलीय चुनाव जीतयबला बंशीधर ब्रजवासी आ सारण शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र सं निर्दलीय जीत हासिल करयबला राहुल राज शनिदिन भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) मे शामिल भए गेलाह। दुनू नेता बिहार भाजपा प्रदेश प्रभारीक उपस्थिति मे पार्टीक सदस्यता ग्रहण कयलनि। चुनाव जीतलाक बादे दुनू नेता भाजपा मे शामिल होयबाक संकेत देने छलाह।
दुनू नेता जाहि निर्वाचन क्षेत्र सं जीतलाह, ओतय एनडीएक दिस सं जदयू प्रत्याशी चुनाव लड़ि रहल छलाह। राहुल राज जदयू प्रत्याशी आनंद पुष्कर कें पराजित कयलनि, जखन कि बंशीधर ब्रजवासी जदयू प्रत्याशी अभिषेक झा कें हरौलनि। दुनू नेता भाजपा मे शामिल भेलाक बाद आब आठ सीट मे चारि सीट भाजपा लग चलि गेल अछि, जखन कि जदयू मात्र एक सीट पर सिमटि गेल अछि।
शिक्षक आंदोलन सं बनल बंशीधरक पहिचान
बंशीधर ब्रजवासी शिक्षक सभक मांग आ अधिकार लेल कतेको आंदोलन मे सक्रिय भूमिका निभौलनि। ओ परिवर्तनकारी प्रारंभिक शिक्षक संघ, बिहारक प्रदेश अध्यक्ष रहल छथि। नियोजित शिक्षक सभ कें समान काजक बदला समान वेतन आ राज्यकर्मीक दर्जा देबाक मांग कें लए ओ लगातार आवाज उठबैत रहलाह। शिक्षक सभक बीच सक्रियताक कारण बिहारक शिक्षक संगठन सभ मे हुनकर मजबूत पहिचान बनल।
तिरहुत स्नातक निर्वाचन क्षेत्रक चुनाव मे बंशीधर निर्दलीय प्रत्याशी बनि मैदान मे उतरला आ जदयू प्रत्याशी अभिषेक झा कें पराजित कए जीत हासिल कयलनि। आब भाजपा मे शामिल भेलाक बाद पार्टी मे हुनकर भूमिका आ जिम्मेदारी पर नजरि रहत।
पहिल बेर चुनाव लड़लाह आ जीतलाह राहुल राज
सारण शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र सं निर्दलीय प्रत्याशी डॉ. राहुल राज जदयू प्रत्याशी आनंद पुष्कर कें पराजित कयलनि। ओ पहिल बेर एमएलसी चुनाव लड़लाह आ जीत हासिल कयलनि। राहुल पीएचडी डिग्रीधारी छथि आ वीआइपी कॉलेज मे एसोसिएट प्रोफेसर छथि। ओ स्कूल-कॉलेज चलबैत छथि आ संगहि अन्य कारोबार सेहो देखैत छथि। हुनकर पिताक नाम विपिन सिंह अछि। ओ सारण जिलाक रिविलगंज प्रखंडक मुकरेड़ा गामक निवासी छथि। भाजपा प्रदेश कार्यसमिति सदस्य रहबाक संग ओ रिविलगंजक प्रखंड प्रमुख सेहो छथि। जीतलाक बाद राहुल राज सोशल मीडिया पर लिखने छलाह जे ई जीत समर्पित साथी, समर्थक आ मतदाता सभक विश्वासक परिणाम अछि। ओ सारण सं चंपारण धरि शिक्षक सभक स्नेह, विश्वास आ आशीर्वाद कें अपन सब सं पैघ ताकति बतौलनि। हुनकर कहब छलनि जे शिक्षकक सम्मान, अधिकार आ स्वाभिमानक रक्षा लेल हुनकर संघर्ष निरंतर जारी रहत। ई जीत मात्र हुनकर नहि, बल्कि हुनका समर्थन देनिहार सभ लोकनिक जीत अछि।