Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचल टीम इंडिया

Avatar
By Samadiya Mithila
August 5, 2026 2 Min Read
0

 

 

शुभमन गिलक अगुआई मे भारतीय टीम दू मैचक टेस्ट सीरीज मे हिस्सा लेबाक लेल श्रीलंका पहुंचि गेल अछि। भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड (बीसीसीआई) अपन सोशल मीडिया मंच एक्स पर टीम इंडियाक यात्रा संबंधी वीडियो साझा कएलक।

बीसीसीआई द्वारा जारी वीडियो मे टीम इंडिया भारत सं श्रीलंका लेल रवाना होइत देखल जा रहल अछि। वीडियो मे कप्तान शुभमन गिल, ऋषभ पंत, कुलदीप यादव सहित आन खेलाड़ी सभ सेहो नजरि अबैत छथि। एकर बाद भारतीय टीम श्रीलंका पहुंचैत देखल जा रहल अछि, जतए एयरपोर्ट सं बस द्वारा टीम होटलक लेल रवाना भेल। यात्राक दौरान भारतीय खेलाड़ी सभ मस्ती करैत सेहो देखल गेलथि। ध्रुव जुरेल फोटोग्राफी करैत नजरि एलाह।

भारत आ श्रीलंकाक बीच दू मैचक टेस्ट सीरीजक शुरुआत 15 अगस्त सं होयत। पहिल टेस्ट मैच गॉल इंटरनेशनल क्रिकेट स्टेडियम मे खेलल जाएत। दोसर टेस्ट मैच 23 अगस्त सं शुरू होयत, जाहिक मेजबानी कोलंबोक सिंहली स्पोर्ट्स क्लब मैदान करत। सीरीज शुरू होए सं पहिने टीम इंडिया 7 अगस्त सं शुरू होमय बला तीन दिवसीय अभ्यास मैच खेलत।

टेस्ट सीरीज शुरू होए सं पहिने भारतीय टीम कें पैघ झटका लागल अछि। स्टार तेज गेंदबाज जसप्रीत बुमराह चोट सं पूर्ण रूप सं नहि उबरबाक कारण पूरा सीरीज सं बाहर भए गेल छथि। हुनक स्थान पर जम्मू-कश्मीरक युवा तेज गेंदबाज आकिब नबी कें टीम मे शामिल कएल गेल अछि। आकिब जम्मू-कश्मीरक दिस सं भारतीय टेस्ट टीम मे चयनित होमय बला पहिल खेलाड़ी छथि। घरेलू क्रिकेट मे लगातार नीक प्रदर्शन कएनिहार आकिब लेल अंतरराष्ट्रीय स्तर पर अपन क्षमता देखेबाक ई महत्वपूर्ण अवसर मानल जा रहल अछि।

श्रीलंका टेस्ट सीरीज लेल भारतीय टीमक स्क्वॉड : शुभमन गिल (कप्तान), केएल राहुल (उपकप्तान), यशस्वी जायसवाल, ऋषभ पंत (विकेटकीपर), साई सुदर्शन, ध्रुव जुरेल (विकेटकीपर), रवींद्र जडेजा, कुलदीप यादव, मानव सुथार, मोहम्मद सिराज, प्रसिद्ध कृष्णा, गुरनूर बरार, देवदत्त पडिक्कल, सारांश जैन आ आकिब नबी।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आईसीसी रैंकिंग : वनडे रैंकिंग मे नीदरलैंड्सक खेलाड़ी सभ कें बढ़त

Next

डीएमसीएच मे 6 अगस्त सं अनिश्चितकालीन भूख हड़तालक घोषणा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सवर्ण वोट पर नजरि : सभ जिला मे नियुक्त कएल जेता नोडल अधिकारी
  • मुजफ्फरपुर मे बढ़ल बागमतीक पानि, अररिया मे उफनि रहल अछि बकरा आ नूना नदी
  • आब सेफ भए गेलाह मंत्री दीपक प्रकाश, राज्यपाल बनौलनि मनोनीत एमएलसी
  • मार्क जुकरबर्ग सीएसएएम, डीपफेक कंटेंट आ ऑपरेटिंग सिस्टम मे एरर मामिला मे भारत सरकार सं माफी  मांगलनि

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech