नीतीश हमरा सीएम नहि बनौलनि, पार्टीक निर्णय सं हम मुख्यमंत्री छी : सम्राट
एकटा पॉडकास्ट मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी नीतीश सं अपन संबंध पर खुलि कए बात केलनि
पटना, समदिया
जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू)क राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीश कुमार मुख्यमंत्री पद सं त्यागपत्र देलाक बाद सम्राट चौधरी बिहार मे भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क पहिल मुख्यमंत्री बनलाह। भाजपा एहि पद लेल सम्राट चौधरी कें मात्र किएक चुनलक, एहि विषय पर अखन धरि तरह-तरह केर अटकलबाजी भए रहल अछि। राजनीति मे ई प्रश्न सेहो उठैत रहल जे की नीतीश कुमारक कहला पर भाजपा सम्राट चौधरी कें बिहारक सत्ताक बागडोर सौंपलक? आब स्वयं मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एहि प्रश्नक उत्तर देलनि अछि। मुख्यमंत्री पदक शपथ लेलाक लगभग पौने पांच मास बाद सीएम सम्राट चौधरी एनडीएक भीतरक बात सार्वजनिक कएलनि।
समाचार एजेंसी एएनआइक पॉडकास्ट मे बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे नीतीश कुमारक संबंध एनडीए सं अछि। मुदा भाजपा मे मुख्यमंत्री के बनताह, ई निर्णय पार्टीक शीर्ष नेतृत्व करैत अछि। मुख्यमंत्री स्पष्ट कएलनि जे नीतीश कुमार एनडीएक सम्मानित नेता छथि, मुदा भाजपा मे मुख्यमंत्रीक चयन पार्टीक आंतरिक विषय अछि। एहि लेल एहि संबंध मे अंतिम निर्णय भाजपाक शीर्ष नेतृत्व द्वारा लेल जाइत अछि।
सम्राट पर नीतीशक विशेष आशीर्वाद
सम्राट चौधरी नीतीश कुमार वा सहयोगी दलक कहला पर मुख्यमंत्री बनाओल गेलाक बात कें स्पष्ट रूप सं नकारलनि। हालांकि, ओ कहलनि जे नीतीश कुमारक विशेष आशीर्वाद हुनका पर पहिने सं रहल अछि आ आइयो बनल अछि। बिहारक मुख्यमंत्री बनेबाक प्रश्न पर सम्राट चौधरी कहलनि जे ओ कहियो नहि सोचने छलाह जे एहि पद पर बैसबाक अवसर हुनका भेटत। हुनकर कहब छल जे पार्टी हुनका जीवन मे बहुत किछु देलक अछि। भाजपा हुनका विधायक, विधान पार्षद, मंत्री आ उपमुख्यमंत्री बनौलक। ओ भाजपा बिहार प्रदेश अध्यक्षक दायित्व सेहो सम्हारि चुकल छथि आ विधान परिषद मे नेता सेहो रहल छथि।
नीतीश सं संबंध तीत-मीठ रहल
नीतीश कुमार सं अपन संबंधक विषय मे सम्राट चौधरी कहलनि जे ओ विगत करीब 30 वर्ष सं नीतीशक संग छथि। एहि दीर्घ अवधि मे दुनूक संबंध मे तीत-मीठ दुनू तरहक परिस्थिति रहल अछि। वर्ष 2024 मे नीतीश कुमारक एनडीए मे वापसीक प्रसंग पर ओ कहलनि जे जखन पार्टी निर्णय लेलक जे जेडीयू सं गठबंधन कए बिहारक विकास लेल काज करबाक अछि, तखन ओ मजबूती सं नीतीशक संग ठाढ़ भए गेलाह। हुनकर नीतीश कुमार सं कोनो व्यक्तिगत वैर नहि छल।
नीतीश पिता समान, गुरु छथि
सम्राट चौधरी नीतीश कुमार कें अभिभावक आ पिता समान बतौलनि। मुदा जखन हुनका सं पूछल गेल जे की ओ नीतीश कुमार कें अपन गुरु सेहो मानैत छथि, तखन सम्राट कहलनि जे नीतीश हुनका लेल निःसंदेह पिता तुल्य छथि, मुदा हुनकर गुरु हुनकर अपन पिता शकुनी चौधरी रहल छथि। एहि पॉडकास्ट मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सं प्रशांत किशोरक संबंध मे सेहो प्रश्न पूछलनि। एहि पर सीएम कहलनि जे प्रशांत बेचारा छथि आ हुनका जे कहबाक छनि से कहय दियौन।