पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताहक मांग पर पटना मे बैंककर्मीक धरना
28 सं 30 सितंबर धरि जारी रहत हड़ताल
पटना। यूनाइटेड फोरम ऑफ बैंक यूनियंस (यूएफबीयू)क राष्ट्रव्यापी आह्वान पर बुध दिन पटना मे बिहारक बैंक कर्मचारी आ अधिकारी सभ राज्यस्तरीय धरना-प्रदर्शन कएलनि। एहि मे पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताह लागू करबाक संग बैंक कर्मचारी आ अधिकारी सभ सं जुड़ल अन्य लंबित मुद्दाक शीघ्र समाधानक मांग कएल गेल। प्रदर्शन मे पटना सहित बिहारक विभिन्न हिस्सा सं पैघ संख्या मे बैंककर्मी शामिल भेलाह आ मांगक समर्थन मे नारा लगौलनि।
सभा कें संबोधित करैत यूएफबीयू बिहारक संयोजक एवं बिहार प्रोविंशियल बैंक एंप्लॉयी एसोसिएशन (बीपीबीईए)क महासचिव कॉमरेड अनिरुद्ध कुमार केंद्र सरकार सं पांच दिवसीय बैंकिंग कार्य सप्ताह लागू करबाक मांग कएलनि। ओ कहलनि जे ई मांग बहुत दिन सं लंबित अछि। सरकार कें अपन रुख मे बदलाव करैत बिना आरो विलंब के एहि पर निर्णय लेबाक चाही।
अनिरुद्ध कुमार कहलनि जे मांग पर शीघ्र कारबाइ नहि भेल तं बैंक कर्मचारी आ अधिकारी सभ आंदोलन तेज करताह। एहि अंतर्गत 28 सं 30 सितंबर धरि प्रस्तावित राष्ट्रव्यापी बैंक हड़ताल आ 26 अक्टूबर सं प्रस्तावित अनिश्चितकालीन राष्ट्रव्यापी बैंक हड़ताल शामिल अछि।
ऑल इंडिया बैंक ऑफिसर्स कॉन्फेडरेशन (एआईबीओसी)क वरिष्ठ उपाध्यक्ष कॉमरेड अमरेश विक्रमादित्य सेहो पांच दिवसीय कार्य सप्ताह लागू करबाक मांग कएलनि। ओ कहलनि जे जं सरकार कर्मचारी सभ कें हड़ताल लेल विवश करैत अछि, तं आम जनता कें होमय बला असुविधाक जिम्मेदारी सरकारक रहत।
सभा कें एनसीबीईक नेता कुमार किसलय, बीईएफआईक प्रदेश अध्यक्ष बी. प्रसाद, महासचिव रंजन राय, आईएनबीओसीक बिहार नेता धर्मेंद्र कुमार, इंडियन बैंक ऑफिसर्स एसोसिएशनक मिथलेश कुमार आ बीपीबीईए अध्यक्ष जयंत कुमार सिंह सहित अन्य नेता सभ सेहो संबोधित कएलनि।